Tuesday, February 15, 2011

प्रतिस्थापन विधेयक आइ पारित हाएत

३ फागुन, काठमाडौं । व्यवस्थापिका संसद आइ प्रतिस्थापन विधेयक पारित करय लागल अछि । संविधानसभा नयाँबानेश्वरमे बेरियाके २ बजे बैसय लागल संसदक बैसारस विधेयक उपर दफावार बिमर्श क पारित करयके कार्यसूची अछि । विधेयक पारित भेलाबाद कानुनी रुपमे पूरे आर्थिक वर्षक बजेट स्वीकृत हाएत ।
सरकार बजेट अध्यादेशके निरन्तरता देबय काल्हि प्रतिस्थापन विधेयक प्रस्तुत केने छल । एकीकृत नेकपा माओवादी आ नेपाली काङ्ग्रेस सकारात्मक देखलगेलाबाद प्रतिस्थापन विधेयक सर्बसम्मतिस पारित होयबाक सँम्भावना अछि ।
पछिला कामचलाउ सरकार बजेट लाबय चाहलापर माओवादी अवरोध करितो अध्यादेश मार्फत् बजेट लाओलगेल छल । ओ अध्यादेश नयाँ सरकार बनलाबाद माओवादीके समर्थनमे पारित भेल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन