Tuesday, February 15, 2011

माओवादी महराके नेतृत्वमे सरकारमे जाएत

३ फागुन, काठमाडौं ।
एकीकृत नेकपा माओवादी विदेश विभाग प्रमुख कृष्णबहादुर महराके नेतृत्वमे सरकार सहभागी होबय लागल अछि । माओवादी सरकारमे सहभागी होबय लगलाबाद किछ दिन भितरे मन्त्रिपरिषद विस्तार होयबाक सम्भावना अछि ।
आइ भिन्सर बैसल माओवादी पदाधिकारीक बैसारस सात बुँदे सहमतिके कार्यान्वयन करैत सरकारमे सहभागी होबयके निर्णय केलक अछि । स्रोतक अनुसार माओवादी गृह, परराष्ट्र, स्थानीय विकास सहितक मन्त्रालय पाओत ।
प्रधानमन्त्री निर्बाचनके क्रममे सभासद खरिदके लेल चिनियाँ व्यापारीसँग पचास करोड रुपैयाँ मँगने अडियो टेप सार्बजनिक भेलाबाद विवादमे फँसल महरा उपर अपने पार्टी नेतृत्वके सरकारमे सन्चार मन्त्री होइतो उल्लेख्य काम करय नै सकल कहैत आलोचना होइत आएल अछि । पार्टी भितरके एक समुह महराके नेतृत्वमे सरकारमे सहभागी नै होबयके पक्षमे रहितो अध्यक्ष प्रचण्डके विश्वासपात्र मानल जाएबला महराके नेतृत्वमे सरकारमे पठाबयके तयारी करहल अछि ।
काठमाडौंके नयाँबजारस्थित माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ निबासमे भिन्सर बैसल पदाधिकारीके बैसारस मन्त्रिपरिषद विस्तारके प्रक्रिया आगु बढाबयके निर्णय केने उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ ‘प्रकाश’ जानकारी देलनि अछि । २० माघमे एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनालसँग भेल सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन नै भेल कहैत माओवादी सरकारमे सहभागी नै भेल अछि । माओवादीके सरकारमे लाबय तीन मन्त्रीमेस दु गोटेके सपथ खुवौने एक सप्ताह वितलाक बादो प्रधानमन्त्री विभाग नै तोक्ने छथि । सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन नै करय एमाले भितरेस प्रधानमन्त्री खनालके दवाव आएल अछि ।
अहिबिच, माओवादी उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराई सरकारमे सहभागिताके लेल हरबराएक नै चाही बतोलनि अछि । आइ भिन्सर बैसल पदाधिकारी बैसारमे उपाध्यक्ष भट्टराई सात बुँदे सहमतिके एमाले भितरे विरोध भरहलास तत्काल सरकारमे जाएके निर्णय करय नै चाही सुझाव देने छलथि ।
डा. भट्टराई कार्यकर्ता प्रशिक्षणमे सहभागी होबय आइ भिन्सर गृह जिल्ला गोर्खा प्रस्थान कएलनि अछि ।

1 comment:

facebook Page Like

  • मनोरँजन