Thursday, February 17, 2011

वीपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमे तालाबन्दी

५ फागुन, सुनसरी । विपि कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमे कार्यरत कर्मचारीसभ कल्याण मञ्च आ नर्सिङ वेल्फेयर कमिटि संयुक्तरुपमे आइ भोरे ९ बजेसँ अनिश्चितकालिन तालाबन्दी केलक अछि।
मंच आ नर्सिङ उपकुलपति प्रा.डा पुर्णचन्द्र कर्माचार्य, रजिष्टार नन्दकुमार थापा, शिक्षाध्यक्ष प्रा. डा रुपासिं राजभण्डारी आ अस्पताल निर्देशक प्रा.डा. बलभद्रप्रसाद दासके कार्यकक्षमे तालाबन्दी केलक अछि। तालाबन्दीबाद प्रतिष्ठानमे विमारी इलाज सेवा प्रभावित भेल अछि।
प्रतिष्ठानके सर्वोच्च कार्यकारिणी सिनेटके एक सप्ताह पहिने बैसल बैसारमे कर्मचारीके हितमे कोनो निर्णय पारित नइ कर कहलाबाद मंच प्रमुख चारि गोटेके कार्यकक्षमे तालाबन्दी केलक अछि। प्रतिष्ठान प्रसासनसंग मंच आ कमिटिक पदाधिकारीके आइ भेल वार्ता विना निष्कर्ष सम्पन्न भेलाबाद तालाबन्दी करए बाध्य भेल मंचक सचिव सुजेन्द्र तामाङ् बतओलन्हि अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन