Friday, February 18, 2011

प्रधानमन्त्री राष्ट्रके नाममे सम्बोधन करताह

काठमाडौ, फागुन ६ - प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आइ साँझ ५ बजे राष्ट्रके नाममे सम्बोधन करय लागल छथि । खनालके सल्लाहकार पुरुषोत्तम पौडेलके अनुसार सिंहरदबार स्थित प्रधानमन्त्री कार्यालयस ओ सम्बोधन करय लागल अछि ।
मन्त्रिपरिषद् विस्तार करय नै सकिरहल आ समस्यामे परल प्रधानमन्त्री खनालके राष्ट्रके नाममे इ पहिल सम्बोधन अछि । १५ दिन आगु प्रधानमन्त्री चयन भेल खनाल अपने पार्टी भितरके विवादस सरकारके पूर्णता देबय नै सकल अछि ।
सम्बोधनमे प्रधानमन्त्री खनाल कांग्रेस सहित मधेसवादी आ छोट दलसबके सरकारमे आबय आहृवान क सकबाक स्रोतक दाबी अछि । ओ एक सप्ताह आगु संसदमे सम्वोधन करैत वर्तमान गठबन्धन सरकारमे आबय आहृवान केने छलथि ।

1 comment:

  1. ki6 ta karu pradhan mantri jee, des ta barbaad vaiye gel ai6...

    ReplyDelete

facebook Page Like

  • मनोरँजन