Tuesday, February 22, 2011

नेपालक वाम दल साईनबोर्ड जेहन : उपेन्द्र यादव

१० फागुन, वीरगन्ज । मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव नेकपा एमालेके अवसरवादी चरित्रस देश दुर्घटनामे फँसत चेतावनी देलनि अछि । एमाले भितरके किछ महत्वाकांक्षी नेतासबह कारण राजनीतिक गतिरोधस निकास पाबय नै सकल हुनक आरोप छलनि ।
बाराके कलैयामे आइ आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे अध्यक्ष यादव वाम दलसब कम्युनिष्टके सिद्धान्त आ नामके बदनाम केने दावी कएलनि ।
‘अपनाके कम्युनिष्ट बताबयबलासब सत्ताके खेलमे लागिकऽ कम्युनिष्टके सिद्धान्त आ नामके बदनाम केने अछि ,’ओ कहलनि जे, ‘नेपालक बाम पार्टीसब साईन बोर्डस बेसी नै अछि ।’
माओवादी आ एमालेबीच भेल सात बुँदे गोप्य सम्झौतास देश आ शान्ति प्रकृयाके धरापमे पारत ओ चेतावनी सेहो देलनि । सेना समायोजनके ढाँचा बिशेष समिति तयार करय परत अपन पार्टीके धारणा रहल ओ जानकारी देलनि ।
अध्यक्ष यादव देशके निकास देबय कोनो दु दलबीच मात्रे नै भ वाम, लोकतान्त्रिक आ मधेशी दलसबहक संयुक्त मोर्चाके आबश्यक्ता रहल बतौलनि । माओवादी जनसेना बिशेष समितिमे अबितो चेन अफ कमाण्ड माओवादीएके मातहतमै रहल कहैत अध्यक्ष यादव आपत्ति जनोलनि ।
दु दिना युवा प्रशिक्षण कार्यक्रममे सहभागि होबय अध्यक्ष यादव बारा पहूँचल छथि । प्रशिक्षण कार्यक्रममे बारा, पर्सा आ रौतहटके क एक सय २५ गोटे युवासबहक सहभागिता रहल फेारमक केन्द्रीय सदस्य उमेशलाल दास बतौलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन