Tuesday, October 25, 2011

नेपाल सम्बतके व्यवहारिक कार्यान्वयनमे लाओल जाएत


८ कात्तिक, काठमाडौँ । सरकार अहिसँ आगुए राष्ट्रिय मान्यता प्रदान कएलगेल नेपाल सम्बतके व्यवहारिक कार्यान्वयमे लाबय लागल अछि ।

मन्त्रिपरिषदक आजुक बैसारसँ नेपाल सम्बतके सरकारी पत्रामे उल्लेख करैत व्यवहारमे कार्यान्वयन करयके निर्णय केलक अछि । नेपाल सम्बत ११३२ काल्हिसँ सुरु भऽ रहल अछि । सरकार नेपाल सम्बतके व्यवहारिक कार्यान्वयनमे लाबय लेल अध्ययन करय नागरिक आन्दोलनके अगुवा एवं वरिष्ठ बाम वुद्धिजिवी पद्यमरत्न तुलाधरक संयोजकत्वमे एक कार्यदल समेत गठन केलक अछि । नेपाल सम्बत अध्ययन तथा सुझाव आयोगक सदस्यमे हरिनारायण मल्ल आ कुमार योञ्जन रहल बैसारकबाद उपप्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्री एवं सरकारक प्रवक्ता नारायणकाजी श्रेष्ठ सञ्चारकर्मीके जानकारी देलनि । कार्यदलके नेपाल सम्बतके कोना कऽ व्यवहारिक बनाओल जाऽ सकैय बिषयमे अध्ययन कऽ एक महिनाभितर प्रतिवेदन बुझाबय कहलगेल अछि ।

अहिना बैसारसँ नेपाल सम्बत प्रचलनमे लाबयबला शंखधर साख्वाके नाममे शंखधर साख्वा राष्ट्रिय प्रतिष्ठान गठन करयके निर्णय समेत केने श्रेष्ठले बतौलनि । प्रवक्ता श्रेष्ठ युवा स्वरोजगार कार्यक्रमके उपाध्यक्षमे डा. पुण्य रेग्मीके नियुक्त करयके निर्णय भेल सेहो बतौलनि । मन्त्रिपरिषद किछ समय आगु माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डक संयोजकत्वमे गठित लुम्बिनी बृहद् राष्ट्रिय समितिक पदाधिकारीसबके लुम्बिनिके बृहत्तर विकासमे आर्थिक सहितक सहयोग जुटाबय अमेरिकाके न्यूयोर्क भ्रमणमे पठाबयके निर्णय समेत केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन