Thursday, February 24, 2011

नारायणी अन्चलके सरकारी कार्यालय ठप्प

पर्सा, फागुन १२ । कर्मचारी हत्याक विरोधमे नारायणी अन्चलके सरकारी कार्यालयसब आइ दोसर दिन सेहो बन्द रहल अछि । बारा मालपोत कार्यालयके नायव सुब्बा माधव थापाके हत्याके विरोधमे नारायणी अन्चल अन्तर्गत परयबला पर्सा, बारा, रौतहट, मकवानपुर आ चितवनके निजामति कर्मचारीसब काल्हिएस काम ठप्प कक आन्दोलनमे उतरल अछि ।
हत्याके विरोधमे नारायणी अन्चल भरिके सरकारी कार्यालयसब तीन दिनधरि बन्द करयके कर्मचारीसब घोषणा क चुकल अछि । नेपाल निजामति कर्मचारी युनियन बाराके अध्यक्ष अशोक रौनियार आई पाँच जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे भिन्सर ११ बजेस धर्ना देल जारहल जानकारी देलनि ।
कर्मचारी हत्याक विरोधमे आइ नवलपरासीके सम्पुर्ण सरकारी कार्यालयसबहक कामकाज २ घण्टा ठप्प हाएत । भिन्सर १० बजेस दुपहर १२ बजेधरि कामकाज ठप्प केने कर्मचारीसब बतोलक अछि ।
आन्दोलनरत कर्मचारीसब मृतक थापाके शहीद घोषणा क परिवारजनके २० लाख रुपैयाँ क्षतिपूर्ती देबयके, मृतकके परिवारके १ गोटेके नोकरी आ मालपोत कार्यलयमे मृतकके शालीक निर्माण करय सहितक माँग राखने अछि । काल्हि धरि मागसब पूरा नै हाएत त दोसर चरणक आन्दोलन करबाक ओसब घोषणा केने अछि ।
अहिबीच थापाके हत्यामे संलग्न रहल आशंकामे पुलिस बाराके विभिन्न स्थानस ४ गोटेके गिरफ्तार क अनुसन्धान क रहल अछि । थापाके हत्याके अनुसन्धानक लेल मध्यक्षेत्रीय प्रहरी कार्यालय हेटौंडा, अञ्चल प्रहरी कार्यालय वीरगन्जके प्रमुख गोपाल भण्डारीके संयोजकत्वमे तीन सदस्यीय छानबिन समिति गठन केने अछि । सरकार मृतक थापाके परिवारके उचित क्षतिपुर्ति देबाक निर्णय क चुकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन