Saturday, February 26, 2011

अमरीका लगौलक लीबिया पर प्रतिबंध

अमरीका , फागुन १४ । अमरीका लीबिया पर प्रतिबंध लगाबयके घोषणा कएलक अछि । अमरीकी राष्ट्रपति बराक ओबामा कहलनि अछि जे कर्नल गद्दाफ़ीके सरकार अंतरराष्ट्रीय नियमके उल्लंघन कएलनि अछि ।
अमरीका अई प्रतिबंधके अनुसार लीबियास संबंधित कोनो ढँगक वित्तीय लेन-देन आ जमिनके ख़रीद-बिक्री पऽ रोक लगौलक अछि ।
ओबामा कहलनि जे अई प्रतिबंधके निशाना पऽ कर्नल गद्दाफ़ी आ हुनक परिवारके सदस्य अछि मुदा ई प्रतिबंधके लीबियाके आम नागरिकके हितके रक्षा करत ।
ओम्हर, ब्रिटेन आ फ़्रांस सयुंक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषदमें एक प्रस्ताव तैयार क लीबिया पऽ हथियार ख़रीद-बिक्रीके अलावा वित्तीय प्रतिबंध लगाबयके प्रावधान रहल बतौलक अछि ।
अहिस पहिने सयुंक्त राष्ट्रक महासचिव बान की-मून सुरक्षा परिषदस लीबियाके संकट पऽ 'निर्णायक कार्रवाई' करय लेल आग्रह केलनि अछि ।
ओ कहलनि जे कर्नल गद्दाफ़ीके प्रशासन मानवाधिकारके उल्लंघन क रहल अछि आ आब ओहिठाम एक हज़ार स बेसीके मृत्यु भचुकल अछि ।
न्यूयॉर्कमें सुरक्षा परिषदके बैसारमें बजैत महासचिव बान लीबियामें खाद्य संकटके चेतावनी दैत कहलनि जे ओईठाम शरणार्थिके समस्या विकट होईत जा रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन