Sunday, February 20, 2011

सरकार जल्दिए पुर्णता पाओत – प्रधानमन्त्री खनाल

८ फागुन, पोखरा । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल सरकार जल्दिए पुर्णता पाओत विश्वास व्यक्त कएलनि अछि ।
कतेक दिन भितर सरकार पुर्णता पाओत बिषयमे खनाल बताब नै चाहलथि । पोखरा विश्वविद्यालयके आठम दीक्षान्त समारोहमे सहभागी होबय आइ पोखरा पहुँचल खनाल पत्रकारसबसँग बातचित करैत बैज्ञानिक ढंगस मन्त्रालय बाँटफाट कएल जाएत बताएलनि ।
गृह मन्त्रालय माओवादीके देब कि नै देब पत्रकारक जिज्ञासमे ओ अखन देबय आ लेबयके अवस्था नै रहल बतबैत ओइके सही समाधान ताकल जाएत बतोलनि । प्रधानमन्त्री खनाल एकटा मन्त्रालयमे ओझराएके अवस्था नै रहल बतबैत शान्ति आ संविधानप्रति सबके गम्भीर होबय परत बतोलनि ।
ओ शान्ति आ संविधानके लेल राष्ट्रिय सहमति अनिवार्य भेल बतोलनि । प्रधानमन्त्री खनाल शान्ति आ संविधानके प्राथमिकता द क काम करबाक प्रतिवद्धता समेत व्यक्त कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन