Sunday, February 27, 2011

एमाले माओवादीसँग निर्णायक वार्ता करत

१५ फागुन, काठमाडौं । नेकपा एमाले पहिलका निर्णयके यथावत रखैत माओवादीसँग निर्णायक वार्ता करय लागल अछि । संसदीय दलक कार्यालय सिंहदरवारमे आइ बैसल एमाले स्थायी समितीक बैसारस सुरक्षा सम्वन्धी मन्त्रालय अपनासँग राखयके पुरान निर्णयके निरन्तरता देलक अछि।
बैसारमे पुराने निर्णयके यथावत रखैत माओवादीसँग निर्णायक वार्ता करयके निर्णय केने महासचिव इश्वर पोखरेल जानकारी देलन्हि अछि। ओ कहलन्हि जे माओवादीसँग वार्ता कऽकऽ काल्हिधरिमे मन्त्रिपरिषद् विस्तारके विषयमे निषकर्ष लगाएब ।
एमोल गृह मन्त्रालय अपनासँग राखके करैत आएल प्रस्ताव माओवादी अस्वीकार करैत आएल अछि । सातबुँदे सहमतिमे रक्षा, गृह सहितक महत्वपूर्ण मन्त्रालयके उचित आ सम्मानजनक विभाजन करबाक चाहि उल्लेख करैत माओवादी गृह अपने लेबाक अडान लेने अछि । एमाले लडाकू समायोजन तथा पुनःस्थापना नइ होबए धरि माओवादीके सुरक्षासम्वन्धी मन्त्रालय देबए नइ सकब बतबैत आबि रहल अछि।
गृह मन्त्रालयके विवादके कारण एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल प्रधानमन्त्रीमे निर्वातिच भेला एक महिना बितलाबादो मन्त्रि परिषद् विस्तार होवए नइ सकल अछि। एमाले स्थायी समिति बैसारमे कार्यकर्ता संरक्षणके लेल कोष स्थापना करके निर्णय सेहो केलक अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन