Thursday, March 17, 2011

‘माओवादीके गृह देबय नै सकब त राजिनामा देब : प्रधानमन्त्री’


काठमाडौं, ३ चैत्र । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल गृह मन्त्रालय माओवादीके देबय नै सकब त पदस राजिनामा देब बतौलनि अछि ।
एमाले स्थायी कमिटीक आइ बैसल बैसारमे एमाले अध्यक्ष समेत रहल खनाल अपने माओवादीके गृहमन्त्रालय देबयके वचन द देने कहैत वचन पुरा करय नै सकब त पदमे बसि क ऽ रहय नै सकब बतौलनि ।
एमालेमे वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल आ स्थायी कमिटी सदस्य केपी शर्मा ओली पक्षधर माओवादीके गृह मन्त्रालय नै देबय खनालके दबाब दैत आएल अछि । गृह मन्त्रालय माओवादीके देब कि नै बिषयमे विवाद भेलाबाद बैसारस सरकारमे सहभागी होबयबला मन्त्री छनोट करय नै सकल अछि । एमालेक दिसस विष्णु पौडेल, भरतमोहन अधिकारी आ गंगालाल तुलाधर मात्रे मन्त्री छथि । सत्ता साझेदार माओवादीसँगके सहमति अनुसार एमालेके अखनो ५ गोटे मन्त्रीसबहक निर्णय करय बाँकी अछि ।
अहिबिच, पार्टी मुख्यालय बल्खुमे करिब ३ घण्टा चलल आजुक स्थायी समितिक बैसारस अन्य दलसबसँग वार्ता करय पूर्वप्रधानमन्त्री माधबकुमार नेपालक संयोजकत्वमे एक टोली गठन केलक अछि । टोलीमे महासचिव ईश्वर पोख्रेल, उपाध्यक्षद्वय वामदेव गौतम आ अशोक राई सदस्य छथि । वार्ता टोली नेपाली कांग्रेस सहितक सरकार बाहर रहल दलसबके सरकारमे लाबय पहल करत बताओलगेल अछि । बैसारस वर्तमान सरकारके राष्ट्रिय सहमतिके स्वरुप देबयके निर्णय सेहो केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन