Thursday, March 17, 2011

अनुदान नै देलक त फेउर पेट्रोलियम पदार्थक मुल्य बृद्धिः निगम

काठमाडौं, ३ चैत्र । मासिक १ अर्ब ५५ करोड रुपैयाँ घाटा रहल कहैत नेपाल आयल निगम तत्काल राज्य अनुदान नइ देलक तऽ पुनः पेट्रोलियम पदार्थके मूल्य बृद्धि हाएत जनौलक अछि ।
आई राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे निगमक कार्यकारी निर्देशक दिगम्बर झा सरकार १ अर्ब ५० करोड रुपैया अनुदान नइ देलक तऽ मूल्य बृद्धि करए परत बतओलन्हि अछि। भारतीय आयल निगम उधार नई देलाकबाद ओ सरकार अनुदान या कर छुट नइ देलक तऽ मूल्य बृद्धि केनाईके विकल्प रहल बतओलन्हि अछि । सरकार पेट्रोलमे करिब ३१ रुपैयाँ, डिजेलमे साढे बाह्र रुपैयाँ, मट्टियातेलमे २ रुपैयाँ आ ग्याँसमे २ सय १० रुपैया कर लैत आबि रहल अछि ।
कार्यकारी निर्देशक झाक अनुसार पछिला मुल्य बृद्धि सेहो हवाई इन्धनमे किछ नाफा होइतो पेट्रोलमे अखनो प्रति लिटर ४ रुपैयाँ ३० पैसा, डिजेलमे २० रुपैयाँ आ खाना पकाबयबला एलपी ग्यासँमे प्रतिसिलिण्डरमे २ सय ५४ रुपैयाँ घाटा अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन