Thursday, March 24, 2011

सवारी दुर्घटनामे दु गोटेके मृत्यु

काठमाडौं, चैत १० । काठमाडौं आ भक्तपुरमे भेल अलग अलग सवारी दुर्घटनामे दु गोटेके मृत्यु भेल अछि । आइ भिन्सर नयाँबजारमे सडक कातमे पार्किङ ककऽ राखल बा ४ च ९८५५ नम्बरक निजी टाटा मोवाईलमे भिन्सर पौने एक बजे बा ३६ प ९६०६ नम्बरक मोटरसाइकल ठोकराएलास २२ बर्षक मोटरसाइकल चालक अभिषेक खड्काके मृत्यु भेल अछि ।
दुर्घटनामे घाइल भेल खड्काके शिक्षण अस्पताल महाराजगन्जमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल अछि ।
अहिना, भक्तपुरके दुवाकोट २ जगगुरु इट्टा भट्टामे बा २ ख ८९४७ नम्बरक मिनि ट्रकक ठक्कर सँ वायह इट्टा भट्टामे काम करयबला काभ्रेके कुनसाङ लामाके ९ वर्षक बेटा चालसाङ लामाके मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।
दुर्घटनामे गम्भीर घाइल भेल लामाके भक्तपुर अस्पतालमे इलाजक लेल ल जाइत काल बाटेमे मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन