Thursday, March 24, 2011

एस एल सी परिक्षा आई सँ देशभरि शुरु

जनकपुर, चैत १० । बिद्धार्थीसबहक आइरन गेटके रुपमे मानल जाएबला एस एल सी परिक्षा आई सँ देशभरि शुरु भेल अछि ।
परीक्षा नियन्त्रक सूर्यप्रसाद गौतम भिन्सर ८ बजे स ११ बजेधरि भ रहल परिक्षाके पहिल दिन आइ अँग्रेजी बिषयक परिक्षा भ रहल जानकारी देलनि अछि ।
अहिबिच, शिक्षामन्त्री गंगालाल तुलाधर आइ सँ सुरु भेल एसएलसी परीक्षामे अमर्यादित काज कएनिहार ककरो सरकार नहि छोडत चेतावनी देलनि अछि ।
मन्त्री तुलाधर अमर्यादित ब्यवहार करयबला सबके शिक्षा ऐन आ नियमावली तय केने सजायके भागी हाएत बतौलनि । शिक्षा क्षेत्रमे अपराधिकरण बढैत गेल कहैत मन्त्री तुलाधार ओईके नियन्त्रण करय सरकार कोनो कसर बाँकी नै राखत बतौलनि ।
शिक्षा मन्त्री तुलाधार अहि बेरक एसएलसी परीक्षामे १ हजार ६७२ परीक्षा केन्द्रमे २ हजार ३९५ सहायक केन्द्राध्यक्ष, १९ हजार ८४३ निरीक्षक, ६ हजार ६१२ सहयोगी, ४७ हजार २४२ गोटे कर्मचारी आ १६ हजार ७२० सुरक्षाकर्मी परिचालन कएल गेल जानकारी देलनि ।
अहि बेरक परीक्षामे ४ लाख ९८ हजार २ सय ४३ विद्यार्थी सहभागी भेल अछि । जाहिमे नियमित तर्फ दु लाख २९ हजार सात सय ९१ गोटे छात्र आ दु लाख ६ हजार ६ सय २० गोटे छात्रा रहल अछि । अहिना, एक्जाम्टेडतर्फ २५ हजार आठ सय ५ गोटे छात्र आ ३४ हजार २७ गोटे छात्रा रहल अछि ।
अहिना, धनुषामे नियमितदिस ९ हजार ४८५ आ एक्जाम्टेड दिस ९ हजार ९६५ बिद्धार्थी सहभागी अछि । एम्हर, सरस्वती माबि स ४ गोटे नकली गार्डके नियन्त्रणमे ल कारबाही काएल जा रहल धनुषाक एस पि दिनेश आमात्य जानकारी देलनि अछि ।
एसएलसी परिक्षा चैत १८ गतेधरि चलत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन