Monday, April 18, 2011

१० लाख फिरौती माँग, तीन गोटे अपहरणकारी गिरफ्तार

जलेश्वर, वैशाख ५ गते । महोत्तरीके बलवासँ अपहरणमे परल एक व्यवसायीके परिवारजनसँ अपहरणकारीसभ १० लाख फिरौतीके माँग केलक अछि ।
४ दिनस अपहरणमे परल महोत्तरी बलबा -५ के रामगुलाव साहके सुरक्षानिकाय अपहरण मुक्तिके लेल प्रयास कऽरहल समयमे अपहरणकारी अपहरणमुक्तिके लेल अपहरितके घरमे फोन सम्पर्क कऽ १० लाख फिरौतीके माँग केलक अछि ।
वैशाख २ गते राति घरेस अपहरणमे परल साहके परिवारजन संग अपहरणकारी अपनाके जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा ज्वाला समुहक महोत्तरी धनुषा ईन्चार्ज वतबैत ९८ ४४१ २७ २६४ नम्वरक मोवाईलसँ फोन करैत फिरौतीके माँग केने परिवारजन बतौलनि अछि । अपहरित साहके भाई उपेन्द्र साहके फोन करैत अपहरणकारी १० लाख रुपैयाक माँग केने अछि । एम्हर अपहरणकारी फिरौती नहि भेटल त भैयाके जानसँ मारयके धम्की समेत देने अपहिरतके भाइ जानकारी देलनि अछि ।
अपहरित साहक बेटीके जनकपुरमे वियाहक बात चलिरहल अवस्थामे अपहरण केने आ तत्कालके लेल वियाहक बात समेत रुकल भाई उपेन्द्र बतौलनि अछि ।
अहिबीच, पुलिस अपहरणमे संलग्न रहल आशँकामे ३ गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।
गिरफ्तार होबयबलामे बलवा -५ के रामबहादुर यादव, रामएकवाल यादव आ वलवा ४ के रामश्रेष्ठ यादव रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी जनौलक अछि ।
अपहरित साह बलवा बजारमे धान चाउर आ माछक ब्यवसाय करैत आएल छलथि । साह सर्वसाधारण जन्ता सं कडा ब्याज लऽ ऋण दऽ गरिव असहाय जनताके ठकने आरोप लगबैत जनतान्त्रिक तराई मुक्ती मोर्चा ज्वाला समूह शुक्रके राति हुनकर अपहरण केने जिम्मा लेने छल ।
मोर्चाके हनुमान विद्रोहीके नेतृत्वमे गेल एक समुह साहके अपने घरमे सुतल अबस्थामे घरसँ वाहर बजाकऽ अपहरण कऽ लगेल छल । हुनकर अवस्था अखनो अज्ञात रहल अछि । मोर्चाक महोत्तरी धनुषा ईन्चार्ज जीवन त्यागी साचारकर्मीके टेलिफोन कऽ घटनाके जिम्मा समेत लेने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन