Monday, April 18, 2011

युद्धमे घुरबाक मनसाय नहि अछिः भट्टराई


काठमाडौं, वैशाख ५ । माओवादी उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई शान्ति प्रक्रिया छोडिकऽ युद्धमे घुरबाक मनसाय नहि रहल बतौलनि अछि ।
'शान्ति प्रक्रियामे आबिगेलाक बाद अहिके पूर्णता देबय परत,' पत्रकार जगत नेपालद्वारा लिखित स्व. गिरिजाप्रसाद कोइरालाके 'आफ्नै कुरा' नामक पुस्तकबारे आइ राजधानीमे टिप्पणी करैत भट्टराई कहलनि जे, 'आब इ प्रक्रियाके छाडिकऽ फेउर युद्धदिस जाएके हमरसबहक  कोनो मनसाय नहि अछि ।'
सैद्धान्तिकरुपमे जनविद्रोहके नीतिमे रहितो व्यवहारिकरुपमे ओ सम्भव नहि रहल भट्टराईक कहब छलनि । ओ जनविद्रोहके पार्टी नीतिप्रति आशंका नहि करय आग्रह करैत कहलनि जे, ' हमर  व्यक्तिगत विचारमात्रे नहि अछि , पार्टीके आधिकारिक धारणा अछि ।'
संविधान निर्माण आ शान्ति प्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचाबय राष्ट्रिय सरकारक आवश्यकता रहल बतबैत ओ सहमतीय सरकार हाएत त संविधानसभाके म्याद थप काएल जा सकैय बतौलनि । एमाले प्रचार विभाग प्रमुख प्रदीप ज्ञवाली जेठ १४ आगुए संविधानक प्रारम्भिक मस्यौदा लाबय परत बतौलनि ।
तहिना,  कांग्रेस केन्द्रीय सदस्य शेखर कोइराला कोनो शक्तिके अलग कऽ शान्ति प्रक्रिया पूरा होबय नहि सकत बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन