Friday, April 01, 2011

एमाले मन्त्री चुनय नहि सकल


काठमाडौ, चैत्र १८ । सरकारमे पठाबयके मन्त्रीसबहक नाम चयन करय आइ बैसल एमाले स्थायी कमिटीक बैसार स्थगित भेल अछि । बैसार रबिदिनधरिके लेल बजाओगेल अछि ।
 सरकार गठन भेल दु महिनाधरि सेहो सरकार पूर्णता नहि पौलाबाद आलोचित प्रधानमन्त्री एवं पार्टी अध्यक्ष झलनाथ खनाल मन्त्री चयनक लेल स्थायी कमिटीक बैसार बजौने छल । बैसारसँ मन्त्री चयन करयके सँगहि केन्द्रीय कमिटी बैसारके मिति तय करबाक  बताओगेल छल ।
 स्रोतक अनुसार प्रधानमन्त्री खनाल सुदुरपश्चिम सँ भानुभक्त जैसी, मधेसी सँ रघुवीर महासेठ तथा महिला सँ उर्मिला अर्याल आ राधा ज्ञवालीके सरकारमे पठाबयके प्रस्तावक तयारी केने अछि । पार्टीको आन्तरिक विवादक कारण एमाले एखनधरि तीन मन्त्री मात्रे सरकारमे पठौने अछि ।
 गठबन्धनके प्रमुख घटक एमाले आ माओवादीके पार्टी भितरके विवादक कारण सरकार पूर्णता पाबय नहि सकल अछि । माओवादी सेहो मन्त्री चुनय आइ बजौने स्थायी समितिक बैसार निष्कर्षविहीन भेल अछि ।
 प्रधानमन्त्री खनाल सोमदिनधरि सरकारके पूर्णता देबयके तयारी कएलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन