भक्तपुर, चैत १८ । नेपाल मजदुर किसान पार्टीक अध्यक्ष नारायणमान बिजुक्छे मधेशवादी दल मँगने जेहन स्वायत्त मधेश स्वीकार्य हाएत त देश विभाजन हाएत चेतावनी देलनि अछि ।
शारदा क्याम्पस भक्तपुरके २० हम् वाषिर्कोत्सवके आइ उद्घाटन करैत ओ देशमे जाति, भाषा आ धर्मके आधारमे संघीय राज्य बनाओल जाएत त आन्तरिक युद्ध सुरु हाएत बतौलनि । जातजाति आ भाषाके आधारमे राज्य विभाजन कएल जाएत त देश हिन्दुस्तान आ पाकिस्तान जेहन हाएत हुनक कहब छलनि ।
माओवादी जातीयताके आधारमे संघीय राज्य होबयके माँग रखने आ मधेशवादी दल ५० प्रतिशत जनसङ्ख्या तराईमे रहल दाबी करैत वायह अनुसार अधिकार पाबयके माँग केलाबाद सवैधानिक समितिमे विवाद भडकल ओ बतौलनि ।
बेर बेर संविधानसभाक म्याद थपनाइ ठीक नहि रहल कहैत अध्यक्ष विजुक्छे कहलनि जे-’संविधानसभाक म्याद थप करयके बातमे जनता समेत स्विकारयबला नहि अछि ।’
ओ सरकारक चाबी एकीकृत नेकपा माओवादीसँग मुदा नेतृत्व नेकपा एमाले क रहलाक कारणे सरकार पूर्णता नहि पौअने बतौलनि ।
No comments:
Post a Comment