Thursday, May 12, 2011

राहदानी दुरुपयोगक बिषयमे सनुवाई आइ सँ


काठमाडौ, वैशाख २९ । राहदानी दुरुपयोगक विषयमे मुद्दा चलाओलगेल सभासदसभ आ कर्मचारी उपर आइ विशेष अदालतमे सुनुवाई भऽ रहल अछि ।
 विशेष अदालतमे प्रारम्भिक सुनुवाईके बाद थुनछेक बहस हाएत । राहदानी बेच्ने अभियोगमे मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक सभासद वीपी यादव आ नेपाली जनता दलक सभासद गायत्री साह विरुद्ध काल्हि विशेष अदालतमे मुद्दा दायर कएल गेल छल । अहिना अख्तियार अध्यागमन विभागक प्रमुख खडानन्द ढकाल शाखा अधिकृतसभ भूमिनन्द भण्डारी आ श्यामबाबु भण्डारी कम्युटर अधिकृत इन्द्रकुमार सुनुवार वरिष्ठ अधिकृत देवीदत्त खत्री सन्तोष उप्रेती आ हरिचरण साहविरुद्ध सेहो मुद्दा दायर केने अछि । अख्तियार भ्रष्टाचार निवारण ऐन २०५९ के दफा  बमोजिम मुद्दा दायर केने अछि । विशेष अदालतमे मुद्दा दायरसँगै अभियुक्त सभासदसभ साह आ यादव सभासद पद सँ निलम्बनमे परल छलथि ।

काङ्ग्रेस सभापति कोइराला आ भारतीय राजदूत सुदबीच बिमर्श


काठमाडौ, वैशाख २९ । नेपाली काङ्ग्रेसक सभापति सुशील कोइराला आ नेपालक लेल भारतीय राजदूत राकेश सुदबीच बिमर्श भेल अछि ।
कोइराला निवास महाराजगँजमे भेल भेटमे संविधान निर्माण आ राष्ट्रिय सरकारक विषयमे बिमर्श भेल अछि । संविधान आ शान्तिके लेल जागरण अभियान सन्चालन कऽ रहल काङ्ग्रेस आगामी कार्ययोजना सेहो बनाबयके तयारी कऽ रहल समय भारतीय राजदूत सुद भेटवार्ता कएलनि अछि । कोइरालासँगके भेटमे राजदूत सुद जेठ १४ गतेके अवस्था आ ओकरबादक सहमतिके विषयमे चाँखि रखने छलथि ।

दायित्व पूरा केने बिना राजीनामा नहि देब - प्रधानमन्त्री


काठमाडौ, वैशाख २९ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल अपन मिसन पूरा केने बिना राजीनामा नहि देब बतौलनि अछि ।
ओ शान्ति आ संविधानके निश्चित मिसन लऽ कऽ सरकारमे अएला सँ जिम्मेवारी पूरा केने बिना अपने नहि हटब सेहो बतौलनि अछि । टर्कीके अपन भ्रमण छोट कऽ आइए स्वदेश घुरल प्रधानमन्त्री खनाल त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमे संचारकर्मीसँग बातचित करैत सरकार अपन दायित्व पूरा करय दृढ रहल बतौलनि । बाजयके अधिकार सबके रहल कहैत  प्रधानमन्त्री अपन राजीनामा माँगयबलासभ सेहो वायह अधिकार प्रयोग केने टिप्पणी केलनि ।
संविधानसभाके म्याद बढाबय सँ पूर्व प्रधानमन्त्री खनालके राजीनामा देबय लेल काङ्ग्रेस आ एमालेक किछ नेतासभ कहि रहल समय खनाल लोकतन्त्रमे अनेक खालके टिका टिप्पणी एनाइ लोकतन्त्रकै सुन्दरता रहल बतौलनि ।
राष्ट्रसङ्घ सम्वद्ध विश्वके बहुत कम विकसित ४८ देशसभहक सङ्गठन एलडीसी के टर्कीके स्तानबुलमे जारी चारिम विश्व शिखर सम्मेलनमे भाग लेबय प्रधानमन्त्री खनाल बितल शुक्रदिन ओइदिस प्रस्थान कएने छलथि ।

बन्द आह्वानक कारण ११ करोडक सहयोग रोक्का


काठमाडौ, वैशाख २९ । सर्वसाधारणके मौलिक हक हनन होबय जँका बन्द हडतालके आयोजना केने कहैत बेलायती सहयोग नियोग जनजाति महासंघके दैत आएल करिब ११ करोड रुपैयाँके सहयोग रोक्का केलक अछि ।
 नियोग बितल साँझ महासंघक अध्यक्ष राजकुमार लेखीके पठौने पत्रमे सहयोग रोकल गेल उल्लेख अछि ।
 महासंघ जेठ १४ भितरे संविधान बनाबय परत कहैत काल्हि शुक्रदिन नेपाल बन्दके घोषणा केलाबाद नियोग मानव अधिकार हनन होबयबला गतिविधिमे संलग्न रहल कहैत सहयोग रोकने अछि ।
 नियोग पत्रमे महासंघ करय लागल बन्दके कारण आब सँ कोनो सहयोग उपलब्ध नहि कराबयके  उल्लेख अछि ।

Wednesday, May 11, 2011

हिन्दु राज्यके कामना करैत ज्ञानेन्द्र महायज्ञमे२८ वैशाख, काठमाडौं । पूर्वराजा ज्ञानेन्द्र शाह हिन्दु राज्यके माँग करैत पशुपतिके बनकालीमे कालीबाबा केने सहस्र रुद्रचण्डी महायज्ञमे पहुँच कऽ पुजापाठ केलनि अछि । अपन समर्थकसभहक सँग पशुपति पहुँचल ज्ञानेन्द्र नारियल आ फलफूल चढा कऽ होम करौलनि अछि । होम करा कऽ बहराएल पूर्वराजा ज्ञानेन्द्र जनता देशमे शान्ति आ स्थरिता चाहने प्रतिक्रिया देलनि । ओहिठाम शिव सेना नेपालक कार्यकर्तासभ पुर्व राजाक पक्षमे नारा सेहो लगौने छल । अहिना कालिबाबा आब नेपालके नेतासभसँग कम्प्रोमाइज नहि करब कहैत नेपालके हिन्दुराज्य बना कऽ छोडब दावी सेहो केलनि । ओ कहलनि जे आब २०४७ सालक संविधान चाही । हिन्दु राज्यके माँग करैत कालिबाबा २१ गतेस सुरु केने सहस्र रुद्रचण्डी महायज्ञ काल्ही सम्पन्न भ रहल अछि ।


२८ वैशाख, काठमाडौं । पूर्वराजा ज्ञानेन्द्र शाह हिन्दु राज्यके माँग करैत पशुपतिके बनकालीमे कालीबाबा केने सहस्र रुद्रचण्डी महायज्ञमे पहुँच कऽ पुजापाठ केलनि अछि ।
अपन समर्थकसभहक सँग पशुपति पहुँचल ज्ञानेन्द्र नारियल आ फलफूल चढा कऽ होम करौलनि अछि । होम करा कऽ बहराएल पूर्वराजा ज्ञानेन्द्र जनता देशमे शान्ति आ स्थरिता चाहने प्रतिक्रिया देलनि ।
ओहिठाम शिव सेना नेपालक कार्यकर्तासभ पुर्व राजाक पक्षमे नारा सेहो लगौने छल ।
अहिना कालिबाबा आब नेपालके नेतासभसँग कम्प्रोमाइज नहि करब कहैत नेपालके हिन्दुराज्य बना कऽ छोडब दावी सेहो केलनि । ओ कहलनि जे आब २०४७ सालक संविधान चाही । हिन्दु राज्यके माँग करैत कालिबाबा २१ गतेस सुरु केने सहस्र रुद्रचण्डी महायज्ञ काल्ही सम्पन्न भ रहल अछि ।

चिट चोरावयवला ८२ परीक्षार्थी सहित एक निरीक्षक निष्काशित


जनकपुरधाम, बैशाख २८ । धनुषा जिल्लाके विभिन्न परीक्षा केन्द्र सँ आइ ८२ गोटे परीक्षार्थीकेँ चिट चोरी कएने आरोपमे निष्काशन कएलगेल अछि ।
१२ कक्षाकेँ परीक्षामे एखनधरि ७ सय ६५ परीक्षार्थीकेँ निष्काशन कएलगेल धनुषाक प्रहरी नायव उपरीक्षक जगदीश पोखरेल जानकारी देलन्हि अछि ।
अहिना कऽ संकट मोचन मावि परीक्षा केन्द्रमे नक्कली परीक्षार्थी बनि कऽ परीक्षा दऽ रहल महोत्तरीके सुगा रहनिहार गोपाल पाण्डेकेँ पुलिस आइ गिरफ्तार कएलक अछि । अहिना आइ एक गोट निरीक्षककेँ सेहो निष्काशन कएलगेल अछि ।

सभासदसभहक राजीनामा देनाइ ठिक


टोकियो (जापान) , वैशाख २८ । माओवादी स्थायी समिति सदस्य अमिक शेरचन संविधानसभाके म्याद बढाबयस निक सभासदसभके राजीनामा देनाइ रहत बतौलनि अछि ।
 माओवादी अन्तिम समयधरि संविधानेसभा सँ संविधान बनाएब बतारहल समयमे वायह पार्टीके बरिष्ठ नेता शेरचनके एहन धारणा सार्वजनिक भेल अछि । बेर बेर म्याद बढा क भत्ता खाएके  ठग बनयस निक सभासदसभके राजीनामा देनाइ रहत ओ कहलनि ।

 नेपाली जनप्रगतिशील मोर्चा जापानके संयोजनमे भेल अन्तर्क्रियामे नेता शेरचन अपने बाँकी दिनमे  संविधान बनत ताहिमे आश्वस्त रहत बतौलनि । संविधान निर्माणक अधिकांश कामसभ पूरा भ गेल अछि ओ कहलनि जे, बाँकी बुँदासभमे सहमति कायम हाएत त जेठ १४ भितर संविधान घोषणा सम्भव अछि ।
 संविधान नहि बनल आक्रोश जनतामे उत्पन्न भ रहलास ओ आक्रोश बिद्रोहमे परिणत होयब सकबाक दिस सचेत रहय परत बतौलनि । संविधान बनय नहि सकत त नेपाल असफल राष्ट्र बनत चेतावनी दैँत ओ कहलनि जे कोनो दलके स्पष्ट बहुमत नहि एलाके कारणे संविधान बनय कठिन भेल बतौलनि ।
 नेता शेरचन नेपाल आ भारतबिचक खुल्ला सीमा नीति नेपालके लेल प्रत्युत्पादक रहल बतबैत भारतसँगके खुल्ला सीमा बन्द करय उपड जोड देलनि ।
अहिना ओ नेपालमे सैनिक संख्या बेसी भेल कहैत सेना घटाबय परत कहलनि ।

प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह अफ़ग़ानिस्तान भ्रमणमे जाए लागल


भारत बैशाख २८ । भारतक  प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह याह  हफ़्तामे २ दिनक लेल अफ़ग़ानिस्तान भ्रमणमे जाए लागल छथि ।
भारतक विदेश मंत्रालय स प्राप्त जानकारी अनुसार सिंह अपना साथ अफ़ग़ानिस्तानके आर्थिक मददके लेल करिब 450 करोड़ रुपैया सेहो ल क जेताह ।
अल-क़ायदा प्रमुख ओसामा बिन लादेनके पाकिस्तानमें एक अमरीकी सैन्य कारबाहीमे मृत्यु भेलाबाद मनमोहन सिंह के अफ़ग़ानिस्तान भ्रमणके बहुत महत्वके सँग देखल जा रहल अछि ।

व्यक्तिगत भेटघाट सँ खनालक सरकार नहि खसतः वैद्य


काठमाडौं, वैशाख २८ । माओवादी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल नेतृत्वक सरकारके विकल्प नहि  खोजबाक चाही बतौलनि अछि ।

 अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल आ उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई सरकारक नेतृत्व परिर्वतनके विषयमे एमाले आ कांग्रेसक नेतासभसँग बिमर्श शुरु केने चर्चा भ रहल समय वैद्य नयाँ सरकार निर्माणके पहलप्रति आपत्ति जनौलनि अछि । सरकारके पूर्णता द  निरन्तरता देबयके पार्टीके निर्णय अछि,' रिपोर्टर्स क्लवमे आइ ओ कहलनि जे, ओइस पार्टी पाछु नहि हटत ।

 खनाले सरकारके  समर्थन जारी रहल अवस्थामे व्यक्तिगत भेटघाटके कोनो अर्थ नहि रहल हुनक  दाबी छलनि । वैद्य खनाल सरकारके माओवादीसँ बेसी एमाले सँ असफल बनाबयके खेल सुरु भेल बतौलनि । अइ सरकारके असफल बनाबयके पक्षमे हमसभ नहि छी ओ कहलनि जे एमालेभितरे सँ ओहन भ रहल अछि । हम एमाले नेतासभके सहयोगक लेल आग्रह करैत छी ।

 साक्षात्कारमे उपाध्यक्ष बैद्य जनसंविधान बनयके सुनिश्चित नहि होबयधरि सेना समायोजन होबहि नहि सकत  ठोकुवा केलनि । जन संविधान नहि बनत त जनविद्रोहमे जाएब ओ बतौलनि ।

श्वेता बिमली - मोडेल


विवाह आगुके सहमतीय सेक्सके निक नहि मानयबाली श्वेता बिमली कहली जे  सेक्स सस्ता नहि अछि ।

प्रधानमन्त्री टर्की भ्रमण छोट s काल्हि काठमाडौं घुरताह


२८ वैशाख, काठमाडौं । टर्की भ्रमणमे रहल प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल भ्रमण छोट क काल्हिए स्वदेश घुरिरहल छथि । पार्टीके ओली नेपाल समूह सरकार परिर्वतनके लेल अन्य दलसभसँग परामर्श करय लगलाबाद खनाल भ्रमण छोट क स्वदेश घुरि रहल छथि ।
अहिस आगु प्रधानमन्त्री खनाल १० दिनके बाद मात्रे स्वदेश घुरब बतौने छलथि । देशके राजनीतिक परिस्थितिके विचार क खनाल भ्रमण छोट करयके निर्णय कएने हुनक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा जानकारी देलनि अछि ।
खनाल तानाबुल सँ स्थानीय समयअनुसार बेरियाक सवा १ बजे कतारके दोहा दिस प्रस्थान क चुकल छथि । ओ काल्हि भिन्सरे ८ बजे काठमाडौं औताह बताओलगेल अछि ।
 बहुत कम विकसित राष्ट्रसभहक संगठन एलडीसीके चारिम सम्मेलनमे सहभागी होबय प्रधानमन्त्री खनाल बितल शुक्रदिन टर्की प्रस्थान कएने छलथि ।

सँबिधान सभाके समय नहि बढाओलगेल त प्रतिगामी तत्व हाबी हाएतः कानुन मन्त्री साह


बैशाख २८¸¸ जनकपुरधाम । न्याय तथा कानुन मन्त्री प्रभु साह सँबिधान सभाके समय नहि बढाओलगेल त प्रतिगामी तत्व हाबी हाएत आ लोकतन्त्रके घाटा हाएत बतौलनि अछि ।
जनकपुरमे भेल एक पत्रकार भेटघाट कार्यक्रममे बजैत साह शान्ति आ सँबिधान दिस आगु बढल गेल त सरकार टिकत नहि त इ सरकार चलय नहि सकत दावा कयलनि ।
दलसभहक सहमति बिना सँबिधान सभाके समय बढाओल गेल तैयो सँबिधान नहि बनय सकत ठोकुवा करैत मन्त्री साह सँबिधान नहि बनाबयबला शक्तिसभ कृयाशिल रहलास ओहन शक्तिसभहक पहिचान केनाइ आबश्यक रहल बतौलनि ।
नेपालक एन कानुन राणा कालिन जेहन रहल कहैत एकरा परिमार्जन केनाइ जरुरी रहल साहक कहब छलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन