Wednesday, November 23, 2011

दाङसहित तराईके जिल्लामे बन्दक प्रभाव


दशरथ घिमिरे

७ अगहन दाङ  संविधानसभा विघटनके माँग करैत थरुहट तराई पार्टी नेपाल सहित विभिन्न ९ छोट राजनीतिक संगठनसब आइसँ अनिश्चितकालिन नेपाल बन्दक आह्वान केलक अछि ।

बन्दक कारण दाङसहित तराईके जिल्लासबमे एकर  प्रभाव देखल जाऽ रहल अछि । बन्दक कारण पूर्व पश्चिम लोकमार्गमे सवारीसाधन चलय नहस सकल अछि तऽ बजारसब सेहो सामान्य रुपमे बन्द रहल अछि ।  संविधानसभाक म्याद थप करितो संविधान बनय नहि सकलासँ संविधानसभाक विधटनके माँग करैत बन्दक आह्वान कएल गेल संगठन जनौलक अछि ।

संविधानसभाक म्याद थपयके अधिकार ककरो नहि रहल कहैत संविधानसभा विघटन कऽ नयाँ जनादेशके साथ निर्वाचनके माँग करैत छोट ९ राजनैतिक सङ्गठनके घटक संयुक्त राष्ट्रिय जनआन्दोलन २०६८ नामाकरण कऽ संघर्षमे उतरल अछि । मुदा एम्वुलेन्स, कुटनितिक नियोगके सवारी साधन आ विवाह उत्सवके सवारी साधन चलय देने थरुहट तराई पार्टिक केन्द्रिय महासचिव नन्दकुमार चौधरी जानकारी देलनि ।

अहिबिच अनिश्चितकालीन नेपाल बन्दक प्रभाव नवलपरासीके कावासोतीमे पूर्णरूपमे परल ईलाका प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि । मुदा भित्री सडकमे किछ सवारी साधन सञ्चालनमे रहल ईलाका प्रहरी कार्यालय गैँडाकोट जनौलक अछि । 

मुदा  बन्दक प्रभाव धनुषा महोतरीमे नहि परल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन