Wednesday, November 23, 2011

काङ्ग्रेस केन्द्रीय समितिक बैसार आइ बैसत


७ अगहन काठमाण्डौ । प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली काङ्ग्रेस केन्द्रीय कार्यसमितिक बैसार आइ बैसय जाऽ रहल अछि ।

आन्तरिक विवाद आ समसामयिक राजनीतिक परिस्थितिके विषयमे पार्टीके धारणा तय करय बैसार बैसय लागल अछि । काङ्ग्रेसक बैसारमे दलसबसँग भेल पछिला सहमति, संविधान निर्माण, शान्ति प्रक्रियाक विषयमे सेहो बिमर्श हाएत बताओलगेल अछि । बेरियाक १ बजेबाद केन्द्रीय कार्यालय सानेपामे बैसय लागल बैसारमे संविधानसभाक म्याद थप, सात बुँदे सहमतिके विषयमे बिमर्श हाएत ।

अहिबीच असन्तुष्ट वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्ष आजुक केन्द्रीय समितिक बैसार बहिष्कार करत जनौलक अछि । भ्रातृ सङ्गठनसबके पार्टी सभापति विना कारण विघटन केलासँ देउवा पक्ष आपत्ति जनबैत आएल अछि । देउवा पक्ष काल्हि साँझ सभापतिके भेट कऽ आन्तरिक विवाद मिला कऽ  मात्रे केन्द्रीय समितिक बैसार बजाबय आग्रह कएने छल । सभापति सहमतिएमे विवाद मिलाएब कहैत बैसारमे सहभागी होबय देउवा पक्षक केन्द्रीय सदस्यसबसँ आग्रह कएलनि अछि ।

केन्द्रीय समितिक बैसार आगु आइ देउवा पक्षक नेतासब अलगे बिमर्श करत केन्द्रीय सदस्य गोपालमान श्रेष्ठ जानकारी देलनि । बिमर्शमे काल्हि सभापतिसँग भेल बातचितक बारे सदस्यसबके जानकारी कराओल जाएत सेहो ओ बतौलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन