Wednesday, August 24, 2011

गुणस्तरीय नोट उपलब्ध कराबऽ लेखाके निर्देशन

काठमाण्डौ, भादव ७ । व्यबस्थापिका संसदके सार्बजानिक लेखा समिति प्लाष्टिकके नोट छपाइके क्रममे भेल अनियमितताके विबरण एक महिना भितर पेश करय अर्थ मन्त्रालय आ नेपाल राष्ट्र बैंकके निर्देशन देलक अछि ।

समितिके आजुक बैसारमे अर्थमन्त्रालय आ राष्ट बैकके अधिकारीसंग भेल बिमर्शक बाद छपाइ सम्बन्धी विबरण उपलव्ध कराबय निर्देशन देने समिति सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि । नोट छपाइके क्रममे अनियमिता भेल सम्बन्धमे समिति चाँखि रखैत आगामी दिनमे गुणस्तरिय नोट छपाबय तथा आपूर्ती सहज करय कहलक अछि ।

समिति बैसारमे राष्टबैकके गर्भनर डा युवराज खतिवडा कागजी नोटसँ प्लाष्टिक नोटके आयु ४ गुना बेसी भेलासँ प्रयोग स्वरुप दश रुपैयाके नोट छपाओल गेल बतौलनि । साफ नोट अभियान संचालन करयके राष्टबैकके नीति अनुसार प्लाष्टिकके नोट छापयके निर्णय कएलगेलासँ ओइके नियत गलत नहि रहल दावी कएलनि । बैसारमे सभासदसब सर्बसाधारणके पहुँचमे रहयबला कम दरके नोटमे प्लाष्टिक प्रयोग केनाइके औचित्य पुष्टि करयके माँग केने छलथि । साथे ओसब नोट छपाइके क्रममे एजेण्टके देलगेल दु प्रतिसत कमिसन बहुत बेसी भेल बतौने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन