Wednesday, August 24, 2011

सत्ता या शहादतः लिवियाली शासक गद्धाफी


लिबिया, भादव ७ । गृहयुद्धसँ ग्रसित लिबियाके शासक कर्णेल मुअम्मर गद्धाफी सरकारी लडाकुसबके नेटो सैन्य विरुद्धके लडाईमे जीत या शहादत मेसँ कोनो एकटा हासिल हाएत बतौलनि अछि ।

एक स्थानीय रेडियो स्टेशनमे देने भाषणमे कर्णेल गद्धाफी अपन निवास स्थानसँ रणनीतिक तरिकासँ बाहर आएल बतौने अल उरुवा नामक गद्धाफी समर्थक टेलिभिजन च्यानल जनौलक अछि । टेलिभिजन च्यानल सरकारक प्रवक्ता मूसा इब्रमहिमसँग लेने टेलिफोन अन्तर्वार्तामे प्रवक्ता मूसा लिबिया विद्रोहीसबबीच ज्वालामुखी भऽ बिष्फोट होबयके चेतावनी देलनि अछि ।

अहिबीच सत्ता परिवर्तनके लेल संघर्षरत लिवियाके विद्रोही सैनिकसब राजधानी त्रिपोलीमे रहल कर्णेल गद्धाफीके निवास स्थान बाब–अल अजीजिया परिसरमे प्रवेश करय सफल भेल अछि । विद्रोही सैनिकसब बाब–अल अजीजिया परिसरमे रहल कर्णेल गद्धाफीके एकटा मुर्ति तोडफोड कऽ पैरसँ पिच रहल दृश्यसब टेलिभिजनमे देखाओलगेल बिबिसी जनौलक अछि । विद्रोही परिसरमे रहल स्वर्ण रंगके मुठ्ठीमे अमेरीकी लडाकू जहाजके पकडने संरचनाके सेहो तोडफोड केलक अछि ।

विद्रोही सैनिकसब सरकारी सेनाके भवन, कर्णेल गद्धाफीके मुख्य निवास आ विभिन्न सरकारी कार्यालय रहल बाब–अल अजीजिया परिसरके कब्जामे लेने बिबिसी जनौलक अछि । गद्धाफी शासनके लगभग अन्त्य भऽ गेलाक बादो विद्रोहीसब कर्णेल गद्धाफी आ हुनकर परिवारक सदस्यके गिरफ्तार नहि करयधरि जीतके खुशीयाली नहि मनाएब बतौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन