Wednesday, August 24, 2011

पुलिसद्वारा लाठीचार्ज आ ६ सेल अश्रुग्यास प्रहार

नेपालगन्ज, भादव ७ । दुघर्टनामे मृत्यु भेल स्थानीय महिलाके परिवारके क्षतिपूर्तिके माँग करैत आइ भिन्सरेसँ बाँकेके खजुरामे भेल चक्काजाम खुलाबय गेल पुलिस आ स्थानीय बासीबिच झडप भेल अछि । पाथर फेकाफेकमे ६ गोटे स्थानीय बासी आ किछ पुलिस घाइल भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि ।

स्थानीय बासी काल्हि नेपालगन्जके गणेशमान चोकमे ट्रकसँ पिचाकऽ मृत्यु भेल स्थानीय सीता गुरुङके परिवारके उचित क्षतिपूर्ति आ दोषीउपर कारबाहीके माँग करैत भिन्सरेसँ नेपालगन्ज-गुलरिया सडक खण्ड अबरुद्ध केने अछि । दुतर्फी झडपके स्थिति उत्पन्न भेलाबाद ६ सेल अश्रुग्यास आ लाठी चार्ज करय परल प्रहरी नायव उपरीक्षक उदय तामाङ बतौलनि । झडपमे घाईल भेल तीन सर्वसाधारणके नेपालगन्जस्थित शिक्षण अस्पताल पठाओलगेल पुलिस जनौलक अछि ।

काल्हि भारतके झारखण्डसँ कोईला आनि रहल भारतीय ट्रक गुरुङके पिच्ने छल । सख्त घाईल भेलाबाद इलाजक लेल ल जातिकाल मृत्यु भेल छल । ट्रक जिल्ला प्रहरी कार्यालयके नियन्त्रणमे अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन