Thursday, August 18, 2011

संयुक्त लोकतान्त्रिक मोर्चा आ नेपाली काँग्रेस बीच वार्ता


जनकपुरधाम भादव १ । सहमतिक सरकार निर्माणक लेल आई संयुक्त लोकतान्त्रिक मोर्चा आ नेपाली काँग्रेस बीच वार्ता भेल अछि ।

सहमतिक सरकारक निर्माणलेल मोर्चाक सभाकक्षमे भेल वार्तामे नेपाली काँग्रेस लोकतन्त्र प्रति अपन प्रतिवद्धताके स्मरण करबैत लोकतन्त्र आ सेना समायोजनकेँ लेल एकटा निष्कर्ष पऽ पहुँचय लेल समर्थनके मांग कएलक अछि ।
बैसारमे नेपाली काँग्रेस अपन उम्मेदबार शेर बहादुर देउवाके समर्थन करय मोर्चासँ आग्रह केने छल ।

एम्हर मोर्चाक नेतासभ कांग्रेसकेँ राज्य पुनः संरचना आ मधेशीके सेनामे सामूहिक प्रवेश करयके बारेमे स्पष्ट होबए लेल कहने बैसारमे सहभागी तराइ मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर जानकारी देलनि अछि ।

बैसारमे तराइ मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर, उपाध्यक्ष बृषेश चन्द्र लाल, हृदेश त्रिपाठी, नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशिल कोइराला, बरिष्ठ नेता शेर बहादुर देउवा सहितक सहभागी छलथि ।

अहिना काल्हि सहमतिक सरकार निर्माणक लेल  मोर्चा आ नेकपा एमाले बिच बार्ता होबय जा रहल अध्यक्ष ठाकुर जानकारी देलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन