Thursday, August 18, 2011

आई सेहो १ टा शव बरामद


जनकपुरधाम भादव १ । धनुषा आ सिरहाक सिमाना जोडएबला कमला नदीमे मँगल सांझमे भेल नाव दुर्घटनामे परि बेपता भेल मे सँ एखनि धरिमे ३ गोटेके शब मात्र भेटल अछि तऽ एखनो करीब आधा दर्जन ब्यक्ति हेरारहल अछि।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाक अनुसार आई सेहो १ टा शव बरामद भेल अछि । बरामद शव सिरहा जिल्लाक चिकना रहनियार १४ बर्षक जिवन यादवके रहल पुलिस जनौलक अछि । अहिसँ आगु बुधदिन सेहो सिंग्याहि मरान आ लक्कडसँ १-१ टा सब बरामद भेल छल । दुर्घटनाक बाद घटनास्थल पंहुचल सिरहा पुलिस -१३ गोटे आ धनुषा पुलिस ४ गोटे कऽ कऽ जम्मा १७ गोटेके उद्धार कएने छल । नावमे अन्दाजी २५-२६ गोटे सबार छल । जखनकी एखनो ५-६ गोटे बेपता अछि आ ओकरसभहक खोजि कार्य जारी रहल पुलिस जनओलक अछि।

धनुषाक सिंगयाही मडान,लक्कड, खजुरी, इनर्वा एवम सिरहाक कल्याणपुर, माडर,मिर्चैया,भेडीया सहितक स्थान पर एखनो वेपत्तासभक खोजि काज जारी रहल पुलिस जनओलक अछि । पुलिसक अनुसार सिरहासँ धनुषा आएल नाव साँझमे घुरि रहल समयमे बीच नदीमे पहुँचलाक बाद नाव टुटि गेलाक कारणेँ दुर्घटना भेल छल। नावमे सवार व्यक्तिसभ खेतीके क्रममे सिरहासँ धनुषा आएल पुलिस जनओलक अछि। 

धनुषाक सिंग्याहि मरानके कोयलपुर घाटसँ २५ गोटे यात्रिके लऽ कऽ सिरहा तर्फ जा रहल समय नाव मँगलके साँझमे दुर्घटना भेल छल ।

एम्हर धनुषाक इनर्वा लग कमला नदी कऽरहल ब्यापक बाँन्ह कटानके कारण इनर्वा वाड नम्बर १ के ४ टा आ वाड नम्बर २ के करिब १ सय घर डुबयके खतरामे रहल बताओलगेल अछि ।

बान्ह कटानके नियन्त्रण करय धनुषासँ सशस्त्र पुलिसक एक टोली ओइठामक लेल परिचालन कएल गेल जनाओलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन