Thursday, August 18, 2011

हाईकोर्ट जज के ख़िलाफ़ महाभियोग प्रस्ताव पारित


भारत , भादव १ । कलकत्ता हाईकोर्ट के न्यायाधीश सौमित्र सेन के हुनका पदस हटाबय लेल लौअने महाभियोग प्रस्तावके राज्यसभा  बहुमतसँ पारित केलक अछि ।

प्रस्ताव के पक्ष में १ सय नबासी सदस्य मतदान केने छल तऽ १७ सदस्य अहिके विरोधमें मतदान केने छल ।

नियमानुसार महाभियोग प्रस्तावके स्वीकृतिके लेल उपस्थित सदस्य मेंसँ २ तिहाई सदस्यके मंज़ूरी ज़रूरी छल ।

आब अहि प्रस्तावके लोकसभामें पेश कएल जाएत आ जँ ओतहु सदनमें उपस्थित सदस्य मेंसँ २ तिहाई अहिके पारित करत तऽ अहिके अंतिम स्वीकृति के लेल राष्ट्रपति लग पठाओल जाएत । राष्ट्रपतिके स्वीकृतिके बाद सौमित्र सेनके पदस हटाओल जाएत ।

न्यायधिश सौमित्र सेनके ख़िलाफ़ पैसाके हेराफेरी आ तथ्य के ग़लत तरीक़ासँ प्रस्तुत करयके आरोप अछि ।

भारतके इतिहासमें पहिल बेर हाईकोर्टके कोनो न्यायाधीशके ख़िलाफ़ महाभियोग प्रस्ताव पारित कएल गेल अछि ।

सौमित्र सेन पऽ स्टील अथॉरिटी ऑफ़ इंडिया आ शिपिंग अथॉरिटी ऑफ़ इंडिया के बीच अदालती विवादमें अदालतके रिसीवर रहितो क़रीब 33 लाख रुपयाके ग़लत इस्तेमाल के आरोप अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन