Monday, August 15, 2011

सीरियामें युद्धपोत आ टैंक स फ़ौजी कार्रवाई


सिरिया साउन ३० । उत्तरी सीरियामें लाताकिया शहरमें फ़ौजी कारबाहीमे परि कम सँ कम १९ गोटेके मृत्यु भेल अछि । विद्रोही पर समुद्र आ ज़मीनसँ भीषण हमला कएल गेल अछि जाहिमे मानवाधिकार कार्यकर्ताके अनुसार कम स कम १९गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

पहिल बेर सीरियाई फ़ौज युद्धपोतके अहि लड़ाईमें सामिल केने अछि आ टैंक के मदतसँ रिहायशी इलाक़में गोलाबारी केलक अछि ।.

मिस्र आ ट्यूनिशियामें अहि साल फ़रवरीमें सरकार विरोधी प्रदर्शन भेल अछि त सत्ता परिवर्तनके बाद स सीरियामें मार्चे सँ सरकार विरोधी प्रदर्शन भऽरहल अछि ।

मानवाधिकार कार्यकर्ताके अनुसार मार्च स अखनधरिमे ओतय १ हजार ७ सय आम नागरिकके फ़ौजी कार्रवाईमें मृत्यु भेल अछि ।

प्रदर्शनकारीसब राष्ट्रपति बशर अल असदके राजीनामा  आ व्यापक राजनीतिक सुधारके मांग कऽरहल अछि ।

सीरियामें बितल ४० साल सँ असदके परिवार सत्तामें अछि आ राष्ट्रपति असद  किछ राजनीतिक सुधारके वादा सेहो केने छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन