Monday, August 15, 2011

कांग्रेस कार्यकर्ताके सहिद घोषणा करय फोरमद्वारा रिले अनसन


इनरुवा, श्रावण ३० । बितल साउन १३ गते सुनसरीके देवानगन्जमे पुलिसक गोली लागि मृत्यु भेल काग्रेस कार्यकर्ता सानु यादबके सहिद घोषणा करयके माँग करैत मधेशी जन अधिकार फोरम नेपाल सुनसरी आइसँ सदरमुकाम इनरुवामे रिले अनसन सुरु केलक अछि ।

भिन्सर १० वजेसँ जिल्ला प्रशासन कार्यालय सुनसरी आगु फोरम कार्यकर्तासब त्रिपाल टाँगिकऽ रिले अनसन सुरु केने अछि । फोरम नेपालक जिल्ला अध्यक्ष भागिरथ शर्मा खत्बेके नेतृत्वमे ११ गोटे जिल्ला स्तरिय कार्यकर्तासब आइके अनसनमे बैसल अछि । भादव १ गतेधरि रिले अनसन जारी रहत आ ओकरबाद सेहो राज्य पक्ष मृतक यादबके सहिद घोषणा नहि करत आ परिवारके क्षतिपुर्ती नहि देत त आरो कडा आन्दोलन कएल जाएत फोरम सुनसरी जनौलक अछि । बितल साउन १३ गते भारत दिससँ लाबि रहल रुइ पुलिस नियन्त्रणमे लेलबाद उत्पन्न बिबादके क्रममे सुनसरीके देवानगन्जमे चलौने पुलिसक गोली लागि स्थानिय सानु यादबके मृत्यु भेल छल ।

घटनाके बाद अपन कार्यकर्ताके मृत्यु भेल कहैत नेपाली काग्रेस सुनसरी आन्दोलन कऽरहल अछि त मधेशवादी दलसब मलखाधके लेल किसानके बेटाके मारने कहैत आन्दोलित भेल अछि । ओइ घटनावारे एक हप्ताके समय दऽ क गृह मन्त्रालय आ नेपाली काग्रेस गठन केने अलगे अलग छानविन समिती दु हप्ता बितलाक बादो प्रतिबेदन सार्वजनिक करय नहि सकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन