Friday, August 19, 2011

मस्जिदमें बिष्फोट, ४० के मृत्यु


पाकिस्तान, भादव २ । पाकिस्तानके पख़्तूनख़्वाह प्रांतके एक मस्जिदमें भेल बिष्फोटमे कमस कम ४० गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ ७० सँ बेसी गोटे घाइल अछि । मृत्यु होबयबलाके संख्या आओर बढय सकयके आशंका रहल पुलिस जनौलक अछि ।

पुलिसके कहब अछि जे घाइलसबहक अबस्था बहुत चिन्ता जनक अछि ।

क़बायली इलाक़ाके ख़ैबर ज़िलाके घुंडी गाँवमे सैकडौ गोटे नवाज पढय जम्मा भेल समयमे मस्जिदमे बिष्फोट कराओल गेल पाकिस्तानी सँचार माध्यमसब जनौलक अछि ।

ओ इलाक़ा अफ़ग़ानिस्तानके सीमासँ सटल अछि आ ओहिठाम तालिबान आ अल क़ायदा चरमपंथी एहन घटनासब करबैत आबिरहल अछि ।

एक वरिष्ठ अधिकारी मुतहर ज़ेब  समाचार एजेंसीके बतौलनि जे अहि घटनाके बिषयमे इ अखनधरि पता लागय नहि सकल अछि जे इ आत्मघाती हमला छल या बम बिष्फोट ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन