Thursday, September 15, 2011

मापदण्डअनुसार नहि भेलासँ कारबाही


जनकपुर, भादव २९ । विराटनगरके हात्तीमुढास्थित मनकामना भेजिटेवल एण्ड आयल उद्योगसँ उत्पादित खायबलातेल मापदण्डअनुसार नहि भेलासँ कारबाही काएल गेल अछि ।

जिल्ला अनुगमन समिति, मोरङ विराटनगरसँ खटल टोली अनुगमनके क्रममे उद्योग मापदण्डअनुसार तेल उत्पादन नहि केने पौअलाबाद कारबाहीके लेल जिल्ला प्रशासन कार्यालय, मोरङमे उपस्थित होबय लेल बजौलक अछि ।

उद्योगके तत्काल तेल बिक्री वितरण नहि करय अनुगमन समिति रोक समेत लगौलक अछि ।

अहिना बिक्रीक लेल तयार दूधके प्याकेटमे उत्पादन मिति आ मूल्य नहि पौअलाबाद जिल्ला अनुगमन समिति भक्तपुर वागेश्वरीके कालिका आ सैंजु डेरीमे सिल केलक अछि ।

अहिना स्वस्तिक बेभरेज प्रालिके नाममे सञ्चालित 'इभा' ब्रान्डके पानि घरके छतमे रहल टँकीसँ सीधे बोतल आ जारमे पाइप सँ भरिरहल अवस्थामे  भेटल छल मुदा ओ उद्योगके कारबाही नहि काएल गेल अछि । 

जीआर डि्रङस प्रालिके 'आक्वा फ्रेस' आ जय शम्भो बेभरेजके 'आक्वा ब्राइट' दुनु कम्पनी सेहो पूर्णरूपमे शुद्ध पानि बितरण नहि केने कहैत सुधार लाबय कहैत सचेत कराओल गेल अछि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन