Thursday, September 15, 2011

मन्त्रिपरिषद् आइ विस्तार भऽ रहल


काठमाडौ, भादव २९ ।  प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई आइ मन्त्रिपिरषद् विस्तार कऽ रहल छथि । माओवादी, मधेशी मोर्चा आ अन्य दल सँ समेट कऽ मन्त्रिपरिषद् विस्तार होबय लागल अछि ।

प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार रामरिझन यादवक अनुसार बेरियाक ५ बजे सपथके समय तोकल गेल अछि । माआवादी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षधर सरकारमे सहभागी नहि होबयबला भेलाबाद तत्कालके लेल हुनका  भागमे राखल मन्त्रालयसबमे सेहो सपथ कराबय लागल अछि ।

मोर्चाक घटक मे सँ मधेशी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिक अपन तर्फ सँ मन्त्रीमे पठाबयबलाके नाम प्रधानमन्त्रीके बुझौने अछि । लोकतान्त्रिकके नेता रामजनम चौधरीक अनुसार शरदसिंह भण्डारी रक्षा आ हेमराज तातेडके वातावरण मन्त्रीके लेल नाम पठाओल गेल अछि । अहिना राज्यमन्त्रीसबमे गृहमे भिमराज राजवंशी, रक्षामे रामबच्चन यादव, वनमे लक्ष्मण मेहता आ वातावरणमे दुर्गादेवी महतोके नाम सिफारिस काएल गेल अछि ।

मोर्चाक अन्य घटक तमालोपा आ तमलोपा नेपाल मन्त्रीक नामावली प्रधानमन्त्रीके बुझादेने स्रोत जनौलक अछि । मुदा सपथ आगु हुनकासबहक नाम सार्वजनिक करय नहि चाहने अछि । 

अहिबीच,प्रधानमन्त्री भट्टराई आ माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल सरकारमे सहभागिताके विषयमे मधेशी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादवसंग बिमर्श केलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई  यादव सँ भेट कऽ सरकारमे सहभागी होबय आग्रह कएने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन