काठमाडौ, भादव १९ । नवनियुक्त अर्थमन्त्री वर्षमान पुन दु अङ्कके आर्थिक वृद्धिदर हासिल करय अपने पहिल प्राथमिकता देब बतौलनि अछि ।
निजी क्षेत्रके विश्वासमे लऽ लगानीमैत्री वातावरण बनाबय, औद्योगिक क्षेत्रमे शान्ति सुरक्षा कायम करय, युवा स्वरोजगार कार्यक्रमके आरो प्रभावकारी बनाबय, बेरोजगारी समस्याके सम्बोधन होबय जका कार्यक्रम लाओल जाएत ओ बतौलनि ।
अगिला सरकार लौअने बजेट पारित करयके बिषयमे अर्थमन्त्री पुन राजनीतिक सहमतिके आधारमे बजेट पारित करय अपने पहल करब बतौलनि ।
माओवादी आ संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाबीच नयाँ प्रधानमन्त्रीके चयन होबयस आगु भेल ४ बुँदे सहमतिमे बजेटके परिमार्जन करयके उल्लेख कएलगेल अछि ।
अर्थमन्त्री पुन जनताके तत्काल राहत देबयके कार्यक्रम तत्काल सार्वजनिक कएल जाएत बतौलनि । ओ कहलनि हम ‘पपुलिस्ट’सँ बेसी ‘पपुलर’ कार्यक्रम आनब ।”
शान्ति प्रक्रियाके तार्किक निष्कर्षमे पहुँचबैत नयाँ संविधान जारी करयके वर्तमान सरकारक पहिल प्राथमिकता रहलासँ अइके सफल करय अपने काज करब अर्थमन्त्री पुन वतौलनि ।
bad neek site
ReplyDelete