Thursday, October 27, 2011

बिपा आ ४ बुँदे खारेज नहि हाएत तऽ पार्टी फुटय सकतः गजुरेल


१० कार्तिक, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक सचिव सीपी गजुरेल बिपा सम्झौतासँ ४ बुँदे सहमति खारेज नहि हाएत तऽ पार्टी फुटय सकयके चेतावनी देलनि अछि ।

बाराके निजगढमे आइ माओवादीक बैद्य पक्षधर आयोजना केने गोप्य कार्यकर्ता भेलामे सचिव गजुरेल प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई भारतसँग केने बिपा सम्झौता आ मधेसी मोर्चासँग कएलगेल ४ बुँदे सहमति राष्ट्रघाती रहलासँ खारेज करय माँग कएलनि । ओ बिपा आ ४ बुँदे खारेज नहि हाएत तऽ पार्टी फुटय सकत बतौने भेलामे सहभागी माओवादी भोजपुरा राज्य समितिक एक सदस्य जानकारी देलनि ।

सचिव जगुरेल संस्थापन पक्षक विरोधमे संघर्ष करय लेल तयार रहय कार्यकर्तासबके निर्देशन देलनि । जनयुद्धके मर्म विपरित पार्टी संस्थापन पक्ष एकलौटी रुपमे निर्णय करैत आगु बढि रहल कहैत ओ आब अपनासब चुप लागि कऽ नहि बैसब बतौलनि । भेलाके माओवादी केन्दि्रय सदस्य महेन्द्र पासवान सम्बोधन कएने छलथि ।

निजगढके गोप्य स्थानमे भेल भेलामे माओवादीके भोजपुरा राज्य अन्तर्गत परयबला बारा, पर्सा आ रौतहटके बैद्य पक्षक नेता कार्यकर्तासबहक मात्र सहभागिता रहल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन