Tuesday, August 23, 2011

४८ घंटामें तोरय पडतनि अन्नाके अनशन!


नई दिल्ली, भादव ६ । अन्ना हजारे अनशनके आइ आठम दिन सेहो जारी रखने छथि ।

७४ बर्षक अन्नाके स्वास्थ्य आब एकदम कमजोर भऽरहल छन्हि । हुनकर वजन दिनप्रतिदिन घटिरहल छन्हि । हुनकर आंखिसँ पानी आबिरहल अछि तऽ हुनका कमजोरी सेहो महसूस भऽरहल छन्हि । हुनका रौदसँ बचय आ कम बाजयके सलाह देलगेल छन्हि । डॉक्टरके अनुसार स्वस्थ रहय लेल हुनका अगिला ४८ घण्टामे कोनो हालतमे अनशन तोड़य पडतनि ।

आइ भिन्सर अरविंद केजरीवाल कहलनि जे प्रधानमंत्री या राहुल गांधीए नहि सरकारक कोनो ब्यक्तिसँ हमसब बात करय लेल तयार छी । मुदा औपचारिक रुपसँ अखनधरि सरकारक दिससँ कियो नहि आएल अछि ।
सामाजिक कार्यकर्ता अन्ना हजारे आइ फेउरसँ कहलनि जे हम रहि या नहि रही मुदा क्रांतिके इ मशाल जरैत रहयके चाही । ओ रामलीला मैदानके मंचस एक बेर फेउर अहि बातके दोहरौलनि जे जँ संसद ३० अगस्तधरि जन लोकपाल विधेयकके बारेमें किछ नहि सोचत तऽ हजारों गोटे सांसद घरके बाहर धरना देत ।

जनलोकपाल बिलके लेल अन्ना हजारेके आंदोलनके लोग अपना-अपना तरीकासँ समर्थन दऽरहल अछि । दिल्लीके मॉडल आ ऐक्ट्रेस सलीना वली खान अन्नाके मांग पूरा नहि भेल तऽ विरोधमे नग्न भऽ नाच करब बतौलिह ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन