Wednesday, October 05, 2011

शुकरातीक बाद राष्ट्रिय सहमतिक सरकारः उपेन्द्र


१८ आसिन काठमाडौँ  मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव वर्तमान सरकार शुकरातीक बाद राष्ट्रिय सहमतिक सरकार गठन हाएत दाबी कएलनि अछि ।

विराटनगर-१८ स्थित अपने निवासमे आइ संचारकर्मीसबसँग बात करैत अध्यक्ष यादव स्वच्छ छवि भेल प्रधानमन्त्रीके आसपास राष्ट्रिय भ्रष्टसब रहलासँ सरकारप्रतिके जनविश्वास घटैत गेल बतौलनि । अदालत जन्मकैदके फैसला केने अपराधीके आममाफी तयारी कएल गेल कहैत ओ आपत्ति प्रकट कएलनि ।

देशके सुरक्षा करयके जिम्मेवारी पौअने रक्षामन्त्री स्वँय देश विखण्डन करयके अभिव्यक्ति दऽ कऽ सरकार प्रतिके जनविश्वास घटौने हुनक कहब छलनि । माओवादी शान्ति या उग्रवामपन्थी सैन्यवादी मेसँ कुन बाट चुनत से निर्णय करय नहि सकलासँ शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणकार्य गति लेबय नहि सकल स्पष्ट केलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन