Wednesday, October 05, 2011

युवतीके गर्दन रेत कऽ हत्या


सिराहा, आसिन १८ । सिरहाक गोविन्द्रपुर लग गर्दन रेत कऽ हत्या केने अवस्थामे एकटा शव भेटल अछि ।

ओ शव गोविन्दपुर-२ के बद्री रायके १३ वर्षक बेटी राधाकुमारी रायके रहल पुलिस जनौलक अछि । काल्हि बेरियामे घाँस काटय सर्रे नदी दिस गेल राधा साँझधरि घर नहि घुरलाबाद ओकर खोजतलास कएल गेल छल । खोजतलासके क्रममे ओकर शव स्थानीय नदी लग रहल धान खेतमे गर्दन रेत कऽ हत्या कएल गेल अवस्थामे भेटल छल ।

घटनाक कारण बारे पुलिस अनुसन्धान कऽ रहल जनौलक अछि ।

1 comment:


  1. Could not be written any better. Reading this post reminds me of my old room mate! He always kept talking about this. I will forward this post to him.

    http://winconfirm.com/category/motivational-videos-inspirational-videos/

    ReplyDelete

facebook Page Like

  • मनोरँजन