Wednesday, October 05, 2011

इटालियन पेस्तोल आ एघार राउन्ड गोलीसहित गिरफ्तार


ललितपुर आसिन १८ । ट्याक्सी लुटपाटके प्रयास कएनिहार एक युवकके इटालियन पेस्तोल आ गोलीसहित गिरफ्तार कएलगेल अछि । काठमाण्डौके बीएन्ड बी अस्पताल आगु रोकि कऽ राखल ट्याक्सी लुट्यके प्रयास केने गणेश कार्की पेस्तोल सहित गिरफ्तार भेल अछि ।

दार्चुला स्थायी घर रहल २३ वर्षक कार्की कोटेश्वरमे रहैत आएल छल । बितल राति साँढे १० वजे ओ ट्याक्सी लुटयके प्रयास केने छल ।

महानगरीय प्रहरी प्रभाग सात दोबाटोके पुलिस ओकरा नियन्त्रणमे लऽ ओकरासँग रहल पेस्तोल १ टा , ११ राउन्ड गोली आ म्यागजीन बरामद केने महानगरिय प्रहरी परिसर ललितपुर जानकारी देलक अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन