Thursday, October 27, 2011

‘बाबुरामपक्षक मजदुरसँ जमकट्टेल उपर आक्रमण’


१० कार्तिक, काठमाडौं । नेपाल प्रहरीके केन्द्रीय अनुसन्धान ब्युरो सीआईबी माओवादी मजदुर नेता शालिकराम जमकट्टेल उपर बाबुराम पक्षीय मजदुर नेता रमेश पन्तके निर्देशनमे शिविरके लडाकुसँ आक्रमण भेल दावी कएलनि अछि ।

सीआईबी आइ पत्रकार सम्मेलन कऽ आक्रमणके मुख्य योजनाकार अखिल नेपाल ट्रेड युनियन महासंघक निवर्तमान महासचिव तथा अखिल नेपाल होटल तथा रेष्टुरा मजदुर संघक निवर्तमान अध्यक्ष काभ्रे बिर्तदेउरालीके रमेश कहायबला तारानिधी पन्त रहल जनौलक अछि । ओ प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई पक्षक सिमित महत्वपूर्ण मजदुर नेता अछि ।

ओकरे योजना आ निर्देशनमे माओवादीक लडाकू आ पूर्व लडाकू जमकट्टेल उपर आक्रमण केने सीआईबी बतौलक अछि । सीआईबी आक्रमणमे संलग्न मे सँ ४ गोटेके गिरफ्तार कऽ आइए सार्वजनिक केलक अछि । गिरफ्तार होबयबलामे प्रभात कहायबला राम पुडासैनी ६५ सालमे तेसर डिभिजनसँ भागल पूर्व लडाकू अछि । सीआईवीके अनुसार ओ योजनाकार अछि । अहिना ६८ सालमे तेसर डिभिजनसँ भागल पूर्व लडाकू मकवानपुर आग्रा- ३ बसेरीके २३ वर्षक इन्द्रबहादुर शाही ठकुरी, अयोग्य लडाकू बसामाडी-५ सिमलथलीके २० वर्षक नविन कहायबला सुदिप कार्की आ अखिल नेपाल होटल तथा रेष्टुरा मजदुर संघ मुल इकाई कमिटी क्यासिनो नेपालक सदस्य एवं सेक्युरिटी गार्ड खोटाङके ३२ वर्षक कमल बुढाथोकी रहल अछि । पुलिसक अनुसार माओवादी नेता जम्मर कट्टेलके ठकूरी रड प्रहार केने अछि तऽ कार्की आ बुढाथोकी सहयोगी अछि । मूख्य योजनाकार रमेश आ सहयोगी तेसर डिभिजनके लडाकू धिरज कहायबला रजन खरेल फरार रहल सीआईबी जनौलक अछि ।

सीआईबी माओवादी मजदूर युनियनमे देखलगेल राजनीतिक तथा आन्तरिक मतभेदके कारण घटना भेल बतौलक अछि । अनुसन्धानक क्रममे रमेश रोजगारीके प्रलोभन देखा कऽ जमकट्टेल उपर आक्रमण करय लगौने पुलिस बतौलक अछि । सबक सिखाबयके अछि तऽ घाइल मात्रे करय लेल पन्त कहने सीआईबी बतौलक अछि । मुख्य योजनाकार पन्त हाल फरार रहल अछि ।

सभासद् जमकट्टेल उपर बितल भादव १० गते काठमाडौँके बबरमहलमे धरगर हतियार प्रहार कऽ आक्रमण कएल गेल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन