१२ कात्तिक, धनगढी । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ वैदेशिक पूँजीसँ देश कंगाल हाएत बतौलनि अछि ।
कैलाली उद्योग वाणिज्य संघ धनगढीमे आइ भिन्सर केने स्वागत कार्यक्रममे बजैत प्रचण्ड राष्ट्रिय पूँजीके परिचालनविना देश विकास नहि भेलासँ विदेशी पूँजी आनयके प्रयास केनाइ अर्थहीन रहल टिप्पणी कएलनि । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके भारत भ्रमणके क्रममे भेल बिप्पा सम्झौतादिस लक्षित करैत प्रचण्ड बिप्पा सम्झौताबारे किछ उल्लेख नहि कऽ ओ स्वदेशमे लगानीके वातावरण नहि बनयधरि विदेशीसँग कएलगेल कोनो सम्झौतासँ देशके विकास सम्भव नहि हाएत टिप्पणी कएलनि । प्रधानमन्त्री ड.बाबुराम भट्टराई अध्यक्ष प्रचण्डके सहमतिमे बिप्पामे हस्ताक्षर भेल बतबैत अबैत छथि । बिप्पाके उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्ष राष्ट्रघातीके आरोप लगबैत आएल अछि ।
अध्यक्ष प्रचण्ड पार्टीक पोलटिब्युरो सदस्य एवं आपूर्तिमन्त्री लेखराज भट्टके मायके श्रद्धाञ्जली कार्यक्रममे सहभागी होबय काल्हिए कैलाली पहुँचल छथि ।
No comments:
Post a Comment