Saturday, October 29, 2011

काबुलमें नेटो सैनिक पर आत्मघाती हमला


१२ कातिक काबुल । अफ़ग़ानिस्तानके राजधानी काबुलमें तालिबान नेटोके सैना पर आत्मघाती हमला केलक अछि । जाहिमे कतेकौ  सैना आ नागरिकके मृत्यु भेल अछि ।

इ आत्मघाती हमला काबुलके बाहरी इलाक़ामें स्थित दारुल अमनके क्षेत्रमें भेल छल जखन एकटा कारमें राखल विस्फोटकमें बिष्फोट भेल छल । घाइलसबके २ टा हेलिकॉप्टरके मदतसँ घटनास्थलस अस्पताल पहुँचाओल गेल अछि ।

बितल किछ महीनामें अफ़ग़ानिस्तानमें १ लाख ३० हजार विदेशी सेनाके बावजूद हिंसक घटनासब बढ़िरहल अछि ।

तालिबान इ हमला केलक अछि आ बृहस्पति दिन कंधारमें पश्चिमी देशके अधिकारीबला एक परिसर पर भेल हमलाके सेहो  ज़िम्मेदारी लेलक अछि । बृहस्पतिदिन भेल हमलामें १५ घंटाधरि गोलीबारी भेल छल । तकरबाद हमलावरसबके ओतयसँ भागय परल छल ।

अहिके अलावा दक्षिणी अफ़गानिस्तानमें भेल हमलामें अफ़ग़ान सेनाके पोशाकमें एक व्यक्ति २ गोट विदेशी सैनिकके गोली मारने छल । जकरबाद गोली मारयबला व्यक्ति सेहो मारल गेल ।

अमरीकी योजनाके अनुसार अफ़ग़ानिस्तानस २०१४ धरि अमरीकी सैनिक ओतयसँ बाहर चलि जाएत आ क़ानून व्यवस्थाके ज़िम्मेदारी घरेलू सुरक्षाकर्मीके जिम्मा देल जाएत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन