Saturday, October 29, 2011

एअरपोर्टमे घुस लेबयबला उपर कारवाही करय प्रधानमन्त्रीक निर्देशन


१२ कार्तिक, काठमाडौं । अमेरिका जाए लागल नेपाली नागरिक डिचेन डोल्मा शेर्पासँग एक लाख घुस लेबयबला अध्यागमन कर्मचारीके तत्काल कारवाही करय प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई निर्देशन देलनि अछि ।

गृहसचिव सुशिलजंग राणा आ अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक सचिव भगवतीप्रसाद काफ्लेके टेलिफोन कऽ प्रधानमन्त्री दोषी उपर तत्काल कारवाही प्रकृया आगु बढाकऽ प्रगति बिबरणबारे अपनाके जानकारी कराबयन निर्देशन देने प्रधानमन्त्रीक स्वकीय सचिव बिश्वदीप पाण्डे जानकारी देलनि । नेपालसँ अमेरिका जाए लागल शेर्पाके यति एयरलाइन्स प्रमाणसँ नेपाली प्रमाणित नहि होइत छी कहैत बिमानस्थल अध्यागमन कार्यालयके कर्मचारी पूर्णबहादुर बस्नेत एक लाख दश हजार रुपैयाँ घुस लेने छल । घुस लऽ रहल भिडियो बिभिन्न संचारमाध्यममे सार्वजनिक भेलाबाद प्रधानमन्त्रीक ध्यानाकर्षण भेल प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालय जनौलक अछि । अहिसँ आगुए अभियुक्त वस्नेत निलम्बनमे परि चुकल अछि ।

बिमानस्थल अध्यागमनके कर्मचारी कखनो काल नक्कली नागरिकता आ पासपोर्ट लेनेसबके रकम लऽ क उडाबयके, रातो पासपोर्ट दुरुपयोग करयबलासबके भगाबयके तथा सोझ यात्रुके अनाबश्यक दुःख देबयके  घटनासब बितल दिनमे सार्वजनिक भऽ रहल अछि । पिडीत शेर्पा किछ दिन आगु पत्रकार सम्मेलन कऽ घुस लैतकालके भिडियो आ अन्य प्रमाणसब सार्वजनिक केने छलिह ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन