Monday, October 17, 2011

विपक्षीद्धारा लगातार तेसर बेर सेहो संसदक बैसार अवरुद्ध


३० आसिन, काठमाडौं । रक्षामन्त्रीके राजीनामा आ प्रधानमन्त्रीके जवाफ मँगैत नेपाली कांग्रेस, एमाले सहितक विपक्षी दलसब आइ सेहो व्यवस्थापिका संसदक बैसार अवरुद्ध केलक अछि । विपक्षीसब लगातार तेशर बेर  संसदक बैसार अवरुद्ध केलक अछि ।

संसदक बैसार सुरु होइते कांग्रेस सभासद रमेश लेखक राष्ट्रियता विरोधी अभिव्यक्ति देबयबला रक्षामन्त्रीके कारवाही कऽ प्रधानमन्त्रीके सदनमे जवाफ नहि देबयधरि सदन चलय नहि देब बतौने छलथि ।

अहिना एमाले सभासद रघुविर महासेठ मधेसी जनता ककरो गुलाम नहि रहल बतौलनि । राष्ट्र विखण्डनके बात  करयबला रक्षामन्त्री शरतसिंह भण्डारी पहिले रक्षामन्त्री रहलासँ हुनका तत्काल वर्खास्त करय माँग कएलनि । ओ रक्षामन्त्रीके तत्काल कारवाही नहि करत तऽ बाबुराम भट्टराई विखण्डनकारीसबके प्रधानमन्त्री सावित हाएत चेतावनी देलनि ।

रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्तिबारे फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार माफी मँगने देखावटी मात्र रहल कहैत ओ रक्षामन्त्री आ पार्टीसँ निस्कासन कऽ क देखाबय चुनौति देलनि ।

कांग्रेस प्रमुख सचेतक लक्ष्मण घिमिरे अपनासब उठौने विषयमे प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई जवाफ देताह से आश रहितो ओ नहि भेल कहैत माग पूरा नहि होबयधरि सदन चलय नहि देब बतौलनि ।

ओइके बाद कांग्रेस, एमाले सहितक दलक सभासदसब अपन अपन ठामसँ उठि कऽ विरोध केलाबाद सभामुख सुवासचन्द्र नेम्वाङ संसदक बैसार काल्हिधरिके लेल स्थगित कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन