Monday, October 17, 2011

जनचाहाना अनुसार प्रहरी संगठन विकसित करय परतः गच्छदार


काठमाडौ, आश्विन ३० ।  उपप्रधानमन्त्री तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार बदलैत अन्तर्राष्ट्रिय परिस्थिति आ जनचाहना अनुरुप नेपाल प्रहरी संगठनके विकसित करयके आवश्यकता रहल बतौलनि अछि ।

नेपाल प्रहरीद्वारा प्रहरी दिवस२०६८ के उपलक्ष्यमे आइ  आयोजित शहिद प्रहरीप्रति श्रद्धाञ्जली अर्पण समारोहमे ओ नेपाल प्रहरीके आधुनिकीकरण आ व्यवसायीकरण करयदिस सरकार आवश्यक पहल करत जानकारी देलनि ।

गृहमन्त्री गच्छदार देशमे शान्ति सुरक्षा स्थापना करय, राष्ट्र निर्माण आ विकासक लेल प्रहरीके सहभागिता अपरिहार्य रहल बतौलनि ।

गृहमन्त्री गच्छदार प्रहरी नीति, प्रहरी सरुवा बढुवामे हस्तक्षेप भेल खबर कपोलकल्पित रहल बतबैत अहि प्रक्रियामे हस्तक्षेप नहि होए उद्देश्यसँ सरकार प्रहरी सेवा आयोगके मस्यौदा तयार करय लागल जानकारी करौलनि ।

ओ प्रहरी संगठनके निचलास्तरके कर्मचारीके कार्यक्षेत्रमे मनोबल बढाबयके लेल सरकार कल्याणकारी योजना सञ्चालन करयके तथा प्रहरी संगठनमे लैंगिक मैत्री वातावरण बनाबयमे लागत विश्वास व्यक्त कएलनि 

प्रहरी कर्मचारीके क्षमता अभिवृद्धिके लेल प्रहरी प्रशिक्षण संस्थानके व्यवस्थापन करय तथा ट्राफिक जनचेतनासम्बन्धी पाठ्यसामग्री स्कुलक पाठ्यक्रममे सहभागी कराबय लेल पहल करय समेत गृहमन्त्री गच्छदार सङ्गठन प्रमुखके निर्देशन देने छलथि 

ओ अवसरमे ओ शहिद प्रहरी स्मारकमे पुष्पहार चढबैत तीन गोटे शहिद प्रहरी परिवारके कदरपत्र तथा स्मारक गुठीके आजीवन सदस्यता प्राप्त करयबला सात गोटे प्रहरी कर्मचारीके कदरपत्र प्रदान केने छलथि 

कार्यक्रममे अमर प्रहरी परिवार, प्रहरी अधिकृत, कर्मचारी, नागरिक समाजक सदस्य सहितक सब अमर प्रहरी स्मारकमे पुष्पगुच्छा अर्पण कऽ अमर प्रहरीप्रति श्रद्धाञ्जलि व्यक्त केने छलथि ।

कार्यक्रममे प्रहरी परिवार महिला सङ्घसँ अमर प्रहरी परिवारके राहत वितरण कएल गेल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन