Sunday, October 02, 2011

स्वास्थ्यमन्त्री महतो शुभकामना कार्डके सँगे पैसा सेहो बँटलथि


१५ आसिन, काठमाण्डौ । स्वास्थ्य तथा जनसँख्या मन्त्री राजेन्द्र महतो पत्रकारसबके दशमीके शुभकामना कार्डसँगे  पैसा सेहो बटलनि अछि ।
ओ जरुरी काज अछि कहैत सहयोगी मार्फत टेलिफोन करा क पुल्चोक स्थित सरकारी निवासमे बजा क शुभकामना कार्ड सहित ५ हजारसँ ८ हजार रुपैयाधरि नगद बितरण केलनि अछि ।
स्रोतक अनुसार अपनाके सहयोग केने कहैत मन्त्री महतो किछ पत्रकारसबहक सुची अपनेसँ तयार केने छलथि । ओ अपन पार्टीक किछ शिर्ष नेतासब मार्फत टिपौने पत्रकारसबहक सुची तयार क सहयोगी मार्फत हरेक बर्ष मन्त्रि रहितो आ नहि रहलो समयमे पत्रकारसबके पैसा बँटैत अबैत छथि ।
स्वास्थ्यमन्त्रि शुभकामना कार्ड सँगे नगद बँटने कहैत नेपाल पत्रकार महासँघ आपति जनौलक अछि । कार्यवाहक महासचिव जगत नेपाल आइ एक बिज्ञप्ति जारी क कहलनि जे स्वास्थ्य मन्त्रिक इ काज पदीय मर्यादा बिपरित मात्रे नहि कि नेपालक अन्तरिम सँबिधान आ कानुनके प्रत्यक्ष उल्लँघन सेहो अछि ।
महाससँघ स्वास्थ्य मन्त्रीक काज अख्तियारके दुरुपयोग आ भ्रष्टाचार नियन्त्रण ऐनबिपरितके काज भेल, सत्ता आ शक्तिके आडमे सरकारी रकमके दुरुपयोग क पत्रकार आ सँचारमाध्यमके भ्रष्ट आ अपन प्रशँसक बनाबय चाहने कोशिसके रुपमे लेने जनौलक अछि । अहिदिस आबश्यक अनुसन्धान क कारबाही प्रकृया आगु बढाबय महासँघ अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगके बिज्ञप्ति मार्फत ध्यानाकर्षण सेहो करौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन