Saturday, April 09, 2011

बैशाख १४ गते नेवा आ तासालिङ बन्दक घोषणा


२६ चैत, काठमाडौं । नेवाः स्वायत्त मंकाः संघर्ष समिति तामसालिङ संयूक्त संघर्ष समिति संयूक्त मोर्चा निर्माण करैत संविधान निर्माणक लेल दबाव देबय आन्दोलनक घोषणा केलक अछि
नेवाः तामसालिङ संयूक्त संघर्ष समिति आइ राजधानीम पत्रकार सम्मेलन आन्दोलनक घोषणा केलक अछि । समितिक आन्दोलनक कार्यक्रमसभमे नेवाः तामसालिङ बन्द सहितक मसाल जुलुस, आमसभा सहितक रहल अछि । घोषित आन्दोलनक कार्यक्रमम बैशाख १४ गते अखण्डित नेवाः ताम्सालिङ स्वायत्त क्षेत्र बन्द, चैत्र ३० गते आमसभा करयके बैशाख १३ गते मसाल जुलुस करय जेहन कार्यक्रमसभ रहल अछि
समिति जेठ १४ गते धर्म निरपेक्ष, जातीय स्वायत्तता, संघीयता, लोकतन्त्र गणतन्त्रयूक्त आदीवासी जातिमैत्रि संविधान जारी होबयके, संक्षिप्त संविधान जारी नहि करयके, आत्मनिर्णय राजनैतिक अग्राधिकार सहितक संघीयता बनाबयके, प्रादेशिक भाषाके केन्द्रीय सरकारक कामकाजी भाषाक रुपम मान्यता देबयके, सहितक  मासभ आगु घुसकौलक अछि
पत्रकार सम्मेलनम तामसालिङ संयूक्त संघर्ष समितिक परशुराम तामाङ अखण्डित नेवा तामसालिङ राज्यक साथ जनताके मालिक बनाबयके प्रदेश निर्माणम षडयन्त्र भ रहलासँ आन्दोलनम उतरल परल बतौलनि । माओवादी केन्द्रीय सदस्य कमानसिँह लामा संविधानसभाक म्याद थपयके बात अपनासभके मान्य नहि हाएत कहैत जेठ १४ गतेभितरे संविधान जारी कराबय दबाव स्वरुप आन्दोलन केने दावी कएलनि

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन