२ अगहन, दाङ । एमाले सचिव शंकर पोखरेल बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक वर्तमान सरकारके राष्ट्रिय स्वरुप देबय अपनासब तयार नहि रहल बतौलनि अछि ।
दाङके तुलसीपुरमे आइ सञ्चारकर्मीसँग बातचित करैत पोखरेल वर्तमान सरकार ४ बुँदे सहमितिके कमजोर जगमे बनलासँ इ सरकारमे अपन पार्टी सामेल होबय नहि सकत बतौलनि । ४ बुँदे सहमति खारेज नहि होबयधरि राष्ट्रिय सरकार गठन होबहि नहि सकत पोखरेलक जिकिर छलनि । सचिव पोखरेल आगामी अगहन १४ गते बाद वर्तमान सरकारक औचित्य समाप्त हाएत दाबी कएलनि ।
मुस्ताङ म्याक्स गाडी चढि कऽ मितव्ययी देखाबय चाहने प्रधानमन्त्री जम्बो मन्त्रिमण्डल बना कऽ अपन मितब्यिता देखार केने टिप्पणी कएलनि । द्वन्द्व कालमे कब्जा कएलगेल घरजमिन फिर्ता करयके काममे गम्भीर होबय पोखरेल सरकार आ माओवादीसँ आग्रह कएलनि । माओवादि भितरके विवादसँ सातबुँदे सहमति कार्यान्वयनमे अवरोध पहुँचल कहैत ओ अन्तरिम संविधान संशोधन होबय नहि सकत तऽ शान्तिप्रक्रिया कठिन मोडमे पहुँचत विचार व्यक्त कएलनि ।
No comments:
Post a Comment