Friday, November 18, 2011

संस्थापन आ वैद्य पक्षबीच पिटापिट


२ अगहन, बर्दिया । केन्द्रमे बढैत जाऽ रहल विवादके असर माओवादीक निचला कमिटीसबमे सेहो परय लागल अछि ।

जिल्ला आ गाउँ तहमे एक दोसर विरुद्ध आरोप प्रत्यारोपमे उतरैत आएल संस्थापन आ वैद्य निकटके कार्यकर्तासब आक्रमण आ प्रत्याक्रमणमे उतरल अछि । पार्टी नेतृत्व दलसबसँग केने सहमति अनुसार द्वन्द्व कालमे कब्जा कएलगेल घर जमिन फिर्ता करयके पक्षमे रहल संस्थापन पक्ष आ फिर्ता करय नहि दबयके अडानमे रहल उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षक कार्यकर्ताबीच बितलराति बर्दियामे झडप भेल अछि । झडपमे बर्दिया राजापुर क्षेत्रक वैद्य पक्षीय इलाका इन्चार्ज गणेश अर्याल घाइल भेल अछि ।

अपना उपर संस्थापन पक्षीय राज्य समिति सदस्य जगतराम चौधरीके समूह ओधबाध कऽ निर्घाट पिटपाट केने  अर्याल बतौलनि । संस्थापन पक्ष दलीय सहमतिके अक्षरसः पालना करैत कब्जा सम्पत्ति फिर्ता देबयके पक्षमे अछि तऽ सातबुँदे सहमति अस्वीकार केने वैद्य पक्ष जवर्जस्ती घर जमिन फिर्ता कएल गेल तऽ प्रतिरोध करबाक चेतावनी दऽ रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन