Saturday, November 19, 2011

नेवादामें लागल आगि, दस हज़ार लोग घर छोडि कऽ भागल


३ अगहन नेवादा अमरीकाके नेवादा प्रांतके जंगलमें लागल आगिके कारण २५ टा घर जरि कऽ नष्ट भेल अछि आ करिब १० हजार लोक अपन अपन घर छोडि कऽ जाए बाध्य भेल अछि ।

आगि करिब २ हजार एकड़ क्षेत्रधरि फैल गेल छल आ अहि  घटनामें घर छोड़ि कऽ भागय समय एक गोटेके जरि कऽ मृत्यु सेहो भेल बताओल जाऽ रहल अछि । अहिना अहि घटनामे १६ गोटे घाइल सेहो भेल अछि ।

सुरक्षा अधिकारीके अनुसार आगिके नियन्त्रणमे लेल जाऽ चुकल अछि । ओहिठाम  रुकि रुकि कऽ भऽ रहल बर्फ़बारी सँ सेहो अहि आगिके मिझाबयमे मदद भेटल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन