३ अगहन, काठमाडौँ । आन्तरिक विवाद समाधानक प्रयासमे आइके लेल बजाओलगेल एकीकृत नेकपा माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार फेउर स्थगित भेल अछि ।
अहिसँ आगु बेर बेर स्थगित होइत आएल बैसार अध्यक्ष प्रचण्ड सिन्धुपाल्चोक महोत्सव उदघाटनके लेल चौतारा जाए लगलासँ आइ सेहो स्थगित भेल अछि । बैसार भिन्सर ११ बजेबाद पार्टी केन्द्रीय कार्यालय कोटेश्वरके पेरिसडाँडामे बजाओल गेल छल । अहिसँ आगु अगहन १ गते बजाओलगेल बैसार विज्ञ समूह गठनके तयारीप्रति आपत्ति जनौने उपाध्यक्ष मोहन वैद्य समूहके मनाबय लेल स्थगित कएलगेल छल । केन्द्रीय समितिके पार्टीमे बढैत गेल विभिन्न विवाद सोझराबयके जिम्मेवारी देलगेल अछि । आजुक बैसारमे उपाध्यक्ष मोहन वैद्यक फरक मतबारे अध्यक्ष प्रचण्डके जवाफ देबाक कार्यसूची छल ।
वैद्य पक्ष पार्टी अध्यक्ष प्रचण्ड आ उपाध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई विरुद्ध बितल १७ कात्तिकमे १० बुँदे आ २८ मे ३ बुँदे असहमति प्रस्ताव दर्ता करौने छल । वैद्य पक्ष हतियारके चाबी प्रकरण, सरकार भारतसँग केने बिप्पा सम्झौता, सरकार गठन आगु मधेसी मोर्चासँग कएलगेल ४ बुँदे आ शान्तिप्रक्रिया आगु बढाबयके सिलसिलामे प्रमुख दलसबबीच भेल सातबँुदे सहमति तथा पछिलाबेर प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई केने मन्त्रिमण्डल विस्तार सहितक विषयमे आपत्ति जनबैत आएल अछि । १३ बुँदे असहमतिमे वैद्य पक्ष अध्यक्ष प्रचण्डके अमेरिका, सिङगापुर आ सिलुगुढी भ्रमणप्रति सहो आपत्ति जनबैत स्पष्टीकरण मँगने अछि । अध्यक्ष प्रचण्ड आ प्रधानमन्त्री भट्टराईके ओ सब काम पार्टी नीति आ निर्णय विपरीत रहल आरोप वैद्य पक्षक अछि ।
No comments:
Post a Comment